आज्ञा खबर
धनुषा
नेपाल–भारत सीमा क्षेत्र एक बेर फेर तनावपूर्ण भऽ गेल अछि। बुध दिन सबेरे धनुषाक महिनाथपुर लग भारत–नेपाल सीमा पर भारतीय सीमा सुरक्षा बल (एसएसबी) आ सीमा पार तस्कर सभक बीच जोरदार झड़प भेल। एहि झड़प मे दू गोट एसएसबी जवान आ एक गोट नेपाली नागरिक घायल भेल छथि।
ई घटना भारतक सीमावर्ती गाम लग ‘नो म्यान्स ल्यान्ड’ कहल जाइत क्षेत्र मे भेल। भारतीय समाचार माध्यम सभक अनुसार, तस्कर सभ दू बेर सीमा पार कऽ कऽ खाद्य सामग्री नेपाल लऽ चुकल छल। तेसर बेर फेर समान लऽ कऽ आबि रहल छल, तखने एसएसबी रोकबाक प्रयास कएलक, आ ओही ठाम झड़प भऽ गेल।
झड़पक दौरान गोलीयो चलल। एसएसबी द्वारा स्थिति नियन्त्रण मे लएबाक लेल पाँच राउन्ड हवाई फायर कएल गेल। झड़प मे २२ वर्षक एसएसबी जवान राज गौड़क बाँया खुटा मे गोली लागि गेल, आ २८ वर्षक राजुकुमार राम ढुंगामुढा सँ घायल भेलाह। दुनू के दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे इलाज भ’ रहल अछि।
स्थानीय सूत्र सभक अनुसार, महोत्तरी गाउँपालिका–१ निवासी महेन्द्र पासवानक बेटा भरत पासवान एसएसबी जवानक राइफल छीनेबाक प्रयास केलथिन। ओही क्रम मे हुनकर कम्मर मे गोली लागि गेल, आ ओ आइ दरभंगाक एकटा निजी अस्पताल मे इलाजरत छथि।
एहि घटनाक पुष्टि भारतीय समाचार संस्था ‘जागरण’ केलनि, आ कहलनि जे एसएसबी द्वारा सीमा सुरक्षा मे कड़ाइ केनाई कारण तस्कर सभसँ भिडन्त बढ़ि रहल अछि। नेपालक सुरक्षा पक्ष सँ एखन धरि घटनाक विस्तृत जानकारी सार्वजनिक नहि कएल गेल अछि। प्रहरी स्रोत द्वारा जवान केँ गोली लागबाक बातक पुष्टि नहि कएल गेल अछि।
स्थानीय नागरिक सभक अनुसार, महिनाथपुर क्षेत्र तस्करी लेल संवेदनशील बिंदु छी। चोर बाटा सँ दैनिक उपभोगक वस्तु नेपाल मे अनबाक गतिविधि निरंतर होइत रहल अछि। ई बेर एसएसबी द्वारा निगरानी कड़ाइ कएलाक कारण स्थिति तनावपूर्ण भऽ गेल।
एहि घटनासँ नेपाल–भारत सीमा पर बढैत असुरक्षा फेर एक बेर सामने आबि गेल अछि। सीमापार समन्वय आ तस्करी पर नियन्त्रण लेल दुनू देशक निकाय सभ केँ गम्भीरतासँ आगू बढ़बाक माँग जोर पकड़ि रहल अछि।





































