बर्दिवास मे युवक मृत अवस्थाम भेटायल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

महोत्तरी जिला के बर्दिवास नगरपालिका–५ स्थित मरहा नदी क किनारमे सोमबार साँझ एक युवक मृत अवस्थाम भेटायल छथि। मृतक के नाम संजिव सदा बताओल गेल अछि, जे बर्दिवास नगरपालिका–१० स्थित मुसहर बस्ती के रहयवाला छलाह, आ उमेर लगभग ३० वर्ष के बताओल गेल अछि।

संजिव सदा सोमबार साँझ करीब ६ बजे बर्दिवास–५ मे मेडिकल कलेज द्वारा जमीन सट्टा-पट्टा के तयारीमे काँटेदार तार सँ घेरल गेल वृक्षारोपण कएल गेल मैदानमे मृत भेटायलाह। ओ स्थान मृतक के घर सँ लगभग एक किलोमीटर उत्तर आ प्रसिद्ध टुटेश्वर मन्दिर सँ एक किलोमीटर दक्षिण दिशामे पड़ैत अछि।

इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवास अंतर्गत अस्थायी प्रहरी चौकी माईस्थान, गौशला चौक सँ प्रहरी सहायक निरीक्षक मेघु राय यादव के नेतृत्वमे एक टोलि घटना स्थल पर पहुँचल आ प्रारंभिक जानकारी लऽ रहल अछि। प्रारंभिक अनुसंधानमे पता चलल जे संजिव सदा मानसिक रूप सँ स्थिर नहि छलाह आ बहुत बेसी शराब पीबाक आदत छलनि। मृतक के बारेमे स्थानीय लोकनि कहलनि जे ओ किछु दिन सँ बेवारिस अवस्था मे रहैत छलाह।

प्रहरी कहलनि जे घटनाक बारेमे आगाँ सेहो अनुसंधान चलि रहल अछि। इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासक प्रहरी नायब उपरीक्षक विकास बम के नेतृत्वमे एसओसीओ (सिन साइंटिफिक अफिसर) सहितक एक टोलि घटना स्थल पर पहुँचिकऽ आवश्यक तथ्य संकलन केलक आ अनुसन्धान आगाँ बढ़ा रहल अछि।

घटना स्थल माईस्थान स्थित अस्थायी प्रहरी चौकी सँ करीब ७ किलोमीटर उत्तर–पश्चिम दिशा मे अछि।

प्रहरी कहलनि जे मृतकक शवक पोस्टमार्टम लेल प्रक्रिया आरम्भ कऽ देल गेल अछि। घटनाक वास्तविक कारण एखन धरि स्पष्ट नहि भेल अछि आ विस्तृत अनुसंधानक बादे आगाँ आरो जानकारी सार्वजनिक कएल जायत।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...