आज्ञा खबर
बरहथवा, सर्लाही
सर्लाही जिला के बरहथवा नगरपालिका स्थित इलाका प्रहरी कार्यालय हिरापुर के प्रमुख, प्रहरी नायब निरीक्षक (सइ) बैद्यनाथ दास केँ निलम्बन कऽ देल गेल अछि।
ओकर कारण ई अछि जे ओ एक तस्कर संगे टेलिफोन पर भेल बातचीत में तस्करी में ‘सहयोग’ करबाक बदला में १८ हजार टाका माँगत सुनल जा रहल छथि। ई अडियो सार्वजनिक भेलाक बाद हुनका तत्काले जिम्मेदारी सं मुक्त कऽ देल गेल अछि।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता डिएसपी सरोज राई के अनुसार सइ दास केँ बरहथवा कार्यालय में बोलाकऽ अडियो प्रकरण के जांच शुरू भऽ चुकल अछि। संगहि, हिरापुर प्रहरी कार्यालय लेल नव सइ पठेबाक प्रक्रिया सेहो आगाँ बढ़ाओल जा रहल अछि।
सूत्र सभ के कहब अछि जे बैद्यनाथ दास पहिले पर्सा जिला में कार्यरत छलाह, जतय ओ अनियमित गतिविधि में संलग्न रहबाक आरोप में पहिने सेहो निलम्बित भेल छलाह।
एहि घटनासँ फेर एक बेर पुलिस आ तस्कर सभक बीचक साँठगाँठ पर सवाल उठल अछि। स्थानीय लोकक कहब अछि जे समय-समय पर उठैत ई शंका आब फेर पुष्टि भेल अछि—पुलिस संगठित अपराधक विरुद्ध कोना व्यवहार कऽ रहल अछि, से गम्भीर सवाल बनल अछि।
