सखुवा प्रसौनी–५ केर दू सय छात्रा सभ केँ स्कूल बैग वितरण

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बीरगंज

सखुवा प्रसौनी गाउँपालिका–५ मे अवस्थित नेपाल राष्ट्रिय माध्यमिक विद्यालय मे कक्षा ९ आ १० मे पढ़ै वला दू सय गोटे छात्रा सभ केँ शुक्रदिन स्कूल बैग वितरण कैल गेल।

विद्यालय परिसर मे आयोजित एक कार्यक्रम मे गाउँपालिका अध्यक्ष यसवन्त यादव स्वयं छात्रा सभ केँ बैग दैत कहलनि जे शिक्षा क्षेत्र मे सकारात्मक वातावरण बनेबाक लेल आ छात्रा सभ केँ प्रोत्साहित करबाक लेल ई कार्यक्रम संचालन कैल जा रहल अछि।

“विद्यार्थी सभ मे अध्ययन प्रति लगाव आ प्रतिस्पर्धात्मक क्षमता मे वृद्धि करबाक लेल एहन कार्यक्रम सार्थक होइत अछि,” अध्यक्ष यादव कहलनि, “एहन सहयोग छात्रा सभ केँ आत्मबल सेहो बढ़बैत अछि।”

सखुवा प्रसौनी गाउँपालिका द्वारा पालिकाक क्षेत्र मे अवस्थित सामुदायिक विद्यालय मे पढ़ै वला छात्रा सभ केँ लक्षित करैत स्कूल बैग वितरण कार्यक्रम शुरू कैल गेल अछि।

अध्यक्ष यादव जानकारी देलनि जे पाँच टा माध्यमिक विद्यालय मे सँ एखन धरि एक टा विद्यालय मे ई कार्यक्रम सम्पन्न भ’ चुकल अछि। बाँकी सिरही सथवल, पञ्चगावा, देउरवाना आ कटैया माध्यमिक विद्यालय मे कक्षा ९ आ १० मे पढ़ै वला छात्रा सभ केँ शीघ्र स्कूल बैग वितरण कैल जायत।

पालिकाक ओर सँ छात्रा सभ केँ शिक्षा मे पहुँच आ प्रेरणा बढ़ेबा लेल एहन कार्यक्रम केँ निरंतरता देबाक प्रतिबद्धता प्रकट कैल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...