आज्ञा खबर
बर्दिवास
बर्दिवास नगरपालिकासँ नगरक शांति-सुरक्षाक सुदृढीकरणक उद्देश्यसँ विभिन्न स्थान पर सिसिटिभी कैमरा लगाकए संचालन करबाक शुभारंभ कैल गेल अछि। शुक्रदिन इलाका प्रहरी कार्यालय, बर्दिवासक समन्वयसँ आयोजित “सुरक्षित नगर निर्माणार्थ सिसिटिभी प्रणाली जडान तथा संचालन उद्घाटन कार्यक्रम”मे नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री सिसिटिभी प्रणालीक स्विच अन करैत ओकर औपचारिक शुभारंभ कएलनि।
कार्यक्रम केँ संबोधित करैत नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि जे बर्दिवास नगरपालिका मधेश प्रदेशक एकटा महत्वपूर्ण केन्द्र रूप मे विकसित भ’ रहल अछि, जतय विकासक संगहि अपराध नियन्त्रण सेहो उच्च प्राथमिकता भेटबाक चाही। “बर्दिवास चौतारीक केन्द्र छी, जतय प्रतिदिन हजारों लोकक आवागमन होइत अछि, एहेन परिस्थिति मे पुलिसक अझुका चनाखा होयब जरूरी अछि,” ओ कहलनि।
ओ कहलनि जे नगरक प्रमुख ठाम सभमे सिसिटिभी प्रणाली जडान करबाक मूल उद्देश्य मानव सुरक्षा छी, तथा प्रहरीद्वारा सिफारिश कएल गेल आन ठाम सभमे सेहो कैमरा लगाउबाक प्रतिबद्धता नगरपालिकाक अछि।
कार्यक्रम मे प्रमुख प्रशासनिक अधिकृत राममणि अधिकारी कहलनि जे सुरक्षित बर्दिवास बनाबय नगरपालिकाक प्रमुख जिम्मेदारी छी। “नगर क्षेत्र केँ सुरक्षित राखबाक लेल हम इलाका प्रहरी कार्यालय सँ सहकार्य क’ रहल छी,” अधिकारी कहलनि, “अगिला चरण मे देखल गेल किछु कमजोरीकेँ सुधारैत एइ नवा प्रयासक शुरुआत कएल गेल अछि।”
कार्यक्रम मे सेभ द चिल्ड्रेन क्षेत्रीय कार्यालय, बर्दिवासक निर्देशक धन भुषाल कहलनि जे संस्था सिर्फ बालबालिकाक क्षेत्र मे नहि, बल्कि विपद् व्यवस्थापन मे सेहो सक्रिय अछि, आ नगर सुरक्षामे योगदान द’ पाबि क’ ओ खुशी व्यक्त कएलनि। ओ अपन संस्था केर लक्ष्य, कार्यक्षेत्र आ जिम्मेवारीक विषयमे प्रकाश देलनि।
इलाका प्रहरी कार्यालय, बर्दिवासक प्रमुख प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) विकास बम कहलनि जे सिसिटिभी प्रणाली जडानक मुख्य उद्देश्य सुरक्षित नगर निर्माण अछि। “अपराध अनुसन्धान नेपाल पुलिसक मूल जिम्मेदारी अछि,” डीएसपी बम कहलनि, “मुदा वर्तमान चुनौतीपूर्ण समय मे शांति, सुरक्षा आ अमनचैन केँ प्राथमिकता द’ क’ कार्य करए पड़ैत अछि।”
ओ कहलनि जे सिसिटिभी कैमरा अपराध नियन्त्रण मे महत्वपूर्ण भूमिका निभबैत अछि आ एहि प्रणाली केँ विस्तार करबाक लेल नगरपालिकाक संग निरंतर समन्वय भ’ रहल अछि। “पुलिसक अकेल प्रयास पर्याप्त नहि अछि, नगरवासी सभक सहयोग बिना सुरक्षित समाज संभव नहि अछि,” बम जोड़ दैत कहलनि।
एहि अवसर पर बर्दिवास नगरपालिका–१ स्थित रिसोना होटलक नजिक पुरान हाटबाजार जएबाक गल्ली, बर्दिवास–८ हातीलेट, राष्ट्रिय वाणिज्य बैंकक ठीक सामने, आ पूर्व–पश्चिम राजमार्ग अंतर्गत माईस्थान क्षेत्रमे नवा सिसिटिभी कैमरा जडान कैल गेल अछि।
कार्यक्रमक क्रममे सेभ द चिल्ड्रेन क्षेत्रीय कार्यालय, बर्दिवासद्वारा इलाका प्रहरी कार्यालय केँ विपद् व्यवस्थापनक लेल २० टा लाइफ ज्याकेट प्रदान कैल गेल। ई सामग्री संस्थाक निर्देशक धन भुषाल द्वारा डीएसपी विकास बम केँ हस्तान्तरण कैल गेल।





































