असार महिनाक उत्कृष्ट पुलिसः डीएसपी विकास बम

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास

इलाका पुलिस कार्यालय, बर्दिबासमे कार्यरत प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) विकास बमकेँ २०८२ साल असार महिनाक “उत्कृष्ट पुलिस” केर रूपमे सम्मानित कैल गेल अछि। जिला पुलिस कार्यालय, महोत्तरी द्वारा ई सम्मान बमकेँ लागुऔषध नियंत्रण, फरार अभियुक्तक गिरफ्तारी, चोरी आ मानव बेचबिक्री नियंत्रण संग अवैध उत्खनन विरुद्ध सफल कारबाईक आधार पर देल गेल अछि।

डीएसपी बमक नेतृत्वमे असार महिनाभरि कतेको महत्वपूर्ण कारबाई कैल गेल अछि। जाहिमे लागुऔषध कारोबारमे संलग्न व्यक्तिकें पकड़ि क’ ६३.१० ग्राम खैरो हिरोइन आ २६३.२४ किलोग्राम गाँजा बरामद कैल गेल अछि। एहि मामलामे सम्बन्धित व्यक्ति सभक विरुद्ध मुद्दा दर्ता कैल गेल अछि।

ओतहि, फरार अवस्थामे रहल १८ टा अभियुक्तकेँ गिरफ्तार कैल गेल अछि। तहिना, ४४ लाख ७६ हजार ६ सय ५ रुपैयाँ बराबरक भन्सार चोरी कयल सामग्री बरामद क’ आवश्यक कानूनी प्रक्रिया अगाडि बढ़ाओल गेल अछि।

चोरीसँ सम्बन्धित मामलामे सेहो डीएसपी बमक टीम द्वारा महत्वपूर्ण सफलता प्राप्त भेल अछि। लैपटप आ दूटा मोबाइल चोरी करनिहार अभियुक्तकेँ गिरफ्तार क’ डाका सम्बन्धी मुद्दा दर्ता कैल गेल अछि। तहिना, प्रतिबंधित विनक्रेक्स सिरपक १७ बोतल बरामद कैल गेल अछि।

अवैध रूपसँ ढोंगाक, गिट्टी, बालुकाक उत्खनन करनिहार पर सेहो निगरानी बढ़ाओल गेल अछि। बमक टोली २ लोडर, ४ टिपर आ ४ ट्रैक्टर — कुल १० टा सवारीसाधन नियन्त्रणमे ल’ संबंधित निकायसँ कानूनी प्रक्रिया अगाडि बढ़ेलक।

ओतहि, मोटरसाइकल चोरी आ बिक्रीमे संलग्न ४ टा सदस्यक गिरोहकेँ सेहो गिरफ्तार क’ अनुसन्धान कएल जा रहल अछि।

गंभीर प्रकृतिक सामाजिक अपराधमे सेहो बम सक्रिय देखाल गेल छथि। प्राप्त सूचना आधार पर स्नेहा होटल पर छापेमारी करैत होटल संचालक संग ३ पुरुष आ २ महिला केँ वेश्यावृत्तिमे संलग्न रहबाक आरोपमे गिरफ्तार क’ मानव बेचबिक्री तथा ओसारपसार सम्बन्धी मुद्दा दर्ता कैल गेल अछि।

तहिना, चर्चित गुलाबसा खातुन अपहरण, बलात्कार आ हत्या घटनामे संलग्न फरार अभियुक्त — राज किशोर साह कुशवाहा आ लिला देवी साह — केँ सेहो गिरफ्तार कैल गेल अछि। संगहि, सर्लाही जिला, हरिवन नगरपालिका–३ निवासी ३६ वर्षीय फेकन साह तेली केँ लागुऔषध गाँजा ओसारपसार सम्बन्धी पुरान मुद्दामे पकड़ल गेल अछि।

ई समस्त कारबाईमे डीएसपी विकास बम द्वारा देखाओल गेल सक्रियता समाजमे शांति, सुरक्षा आ अमन-चयन कायम करबा मे महत्वपूर्ण योगदान देलक अछि। हुनकर लगनशीलता आ इमानदारीकेँ उच्च मूल्यांकन करैत जिला पुलिस कार्यालय, महोत्तरी द्वारा हुनका असार महिनाक उत्कृष्ट पुलिस केर घोषणा कैल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...