बर्दिवास नगरक दीर्घरोगी लाभग्राहीसभ केँ औषधि खर्च नविकरण करबाक आग्रह भादो मासक अन्त धरि आवश्यक कागजात संगे नविकरण नै केलापर सुविधा बन्द भʼ सकैत अछि

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी

बर्दिवास नगरपालिकाक स्थायी बासिन्दा जे मृगौला प्रत्यारोपण करौने छथि, डायलाइसिस करबै छथि, कैंसर वा मेरुदण्ड पक्षघात जेकाँ दीर्घ रोग सं पीड़ित छथि, तिनका नेपाल सरकार द्वारा मासिक रू. ५,००० केर औषधि उपचार खर्च प्रदान कैल जाइत अछि।

नगरपालिकाक अनुसार, एहि आर्थिक वर्षो में सुविधा निरंतर रूप सं प्राप्त करए चाहनिहार लाभग्राहीसभकेँ आर्थिक वर्ष २०८१ क मौजुदा विवरण नविकरण करए पड़त। बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारीक हस्ताक्षर सं जारी सूचना में कहल गेल अछि –
“उपचार खर्चक सुविधा लए रहल लाभग्राहीसभ भदौ मासक अन्तधरि आवश्यक कागजात संगे नविकरण कʼ लेथि। समय पर नविकरण नै भेलासँ औषधि उपचार खर्चक सुविधा प्राप्त नहि भʼ सकत।”

पेश करबाक कागजातसभ निम्न प्रकार अछि:

  • उपचाररत अस्पताल सं प्राप्त अनुसूची–१ अनुसार प्रमाणित पत्र

  • बिरामीक नागरिकता प्रमाणपत्र वा जन्म प्रमाणपत्रक प्रतिलिपि

  • राष्ट्रीय वाणिज्य बैंक में बिरामीक नाम सं खोलल खाता केर चेकक प्रतिलिपि

  • सम्बन्धित वडा कार्यालय सं प्राप्त सिफारिश पत्र

नगरपालिकाक आदेश अनुसार, वडा नं. १ सं लʼ कʼ १४ धरिक सभ वडासभकेँ एहि सूचना लाभग्राहीसभ धरि पहुँचेबाक जिम्मेदारी देल गेल अछि।

बर्दिवास नगरपालिकाक सामाजिक समावेशिता आ स्वास्थ्य सेवामे पहुँच सुनिश्चित करबाक प्रयासस्वरूप देल जा रहल ई सेवा नगर क्षेत्रक दीर्घ रोगीसभ लेल जीवन रक्षा करयवला महत्वपूर्ण आधार बनि सकैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...