आज्ञा खबर
वीरगंज
पानीक भीषण अभाव सँ ग्रसित पर्सा जिलाक वीरगंज महानगरपालिका आ आसपासक क्षेत्र केँ सूखाग्रस्त क्षेत्र घोषित करबाक मांग राजनीतिक दलसभ द्वारा कएल गेल अछि।
मंगलदिन वीरगंज मे सम्पन्न भेल सर्वदलीय बैसारमे ई औपचारिक निर्णय लेल गेल जे संघीय सरकार वीरगंज महानगरपालिका आ समग्र पर्सा जिला केँ सूखाग्रस्त क्षेत्र घोषित करय आ तत्काल विशेष राहत पैकेज उपलब्ध कराबय।
सूखा, खँखैल आ सुन्नर चापाकल
पछिला एक मास सँ पर्सा जिलामे वर्षा नहि भेलाक कारण अधिकांश चापाकल सुन्न भऽ गेल अछि। वीरगंजक विभिन्न बस्तीसभमे पानीक लेल प्रतिदिन हाहाकार मचल रहैछ। नेपाल खानेपानी संस्थान आ महानगरपालिकाक प्रयास पर्याप्त नहि भ’ रहल अछि—ई गप देखैत सर्वदलीय बैसार सरकार सँ ठोस पहल करबाक अनुरोध कएलक।
संयुक्त टोली आ सर्वदलीय अनुगमनक योजना
संकटक समाधानक लेल सर्वदलीय बैसार निर्णय लेल जे वीरगंज महानगरपालिका, नेपाल खानेपानी संस्थान आ अन्य सरोकारवालासभ संग संयुक्त वार्ता लेल राजनीतिक दलक प्रतिनिधिमंडल पठाओल जाएत। संगहि, सरकारी निकाय सभ द्वारा कएल जा रहल प्रयास सभक सर्वदलीय अनुगमन सेहो कएल जाएत।
प्रदेश सरकार केँ सेहो ध्यानाकर्षण
बैसारमे ई निर्णय सेहो लेल गेल जे मधेश प्रदेश सरकार केँ सेहो राहत पैकेजक लेल औपचारिक आग्रह कैल जाएत। एमाले पर्साक सचिव महेश दास कहलनि—”ऐसन संकटक घड़ीमे संघीय आ प्रदेश दुनू सरकार समन्वयमे काज करै आ जनताक पीड़ा दूर करै जरूरी अछि।”
दलसभक एकता
बैसार नेपाली कांग्रेस पर्साक कार्यवाहक सभापति रामनारायण प्रसाद कुर्मीक अध्यक्षतामे भेल। बैसारमे नेकपा एमाले, नेकपा माओवादी केन्द्र, जनता समाजवादी पार्टी, राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी, नेकपा एकीकृत समाजवादी, जनमत पार्टी आ जसपा नेपालक शीर्ष नेतासभ भाग लेलनि। सभ दल एक स्वरमे कहलनि जे एहन साझा संकटमे सब एकताबद्ध भऽ सरकार पर दबाव बनाए आ जनहितक पक्षमे संयुक्त प्रयास कैल जाए।





































