हनुमाननगर कंकालिनी नगरपालिकाक नव घोषणाः अब न्यूनतम विद्युत शुल्क नगरपालिके देतै

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सप्तरी

सप्तरी जिलाक हनुमाननगर कंकालिनी नगरपालिकाक निर्णय अनुसार आर्थिक वर्ष २०८२/०८३ सँ नगरमे बसोबास करए वला स्थानीय नागरिकसभक न्यूनतम विद्युत शुल्क अब नगरपालिके द्वारा देल जायत।

सोमबार सम्पन्न १५म नगरसभामे नगरप्रमुख विरेन्द्र माझी ई घोषणा कएलनि। हुनकर अनुसार, ५ एम्पेयर लोड स्वीकृत ग्राहकसभक २० यूनिट तकक मासिक विद्युत खपत पर लगनिहार शुल्क अब नगरपालिके देतै। नगरप्रमुख कहलनि— “२० यूनिट तकक बिल जे लोकक हेतनि, हुनकर रेकर्ड विद्युत प्राधिकरण नगरपालिकाके देतै, ओही आधार पर नगरपालिका ओहि बिलसभक भुक्तानी करत।”

ओना त, नगरप्रमुख इहो जनौलनि जे ई सीमा आगाँ कऽ वर्षमे ३० यूनिट तक बढ़ाबय के योजना अछि।

सो नगरपालिकाक आर्थिक वर्ष २०८२/०८३ लेल कूल ६६ करोड़ ६८ लाख ६६ हजार १ सय ७० रुपैयाक बजट प्रस्तुत कएल गेल अछि। ई बजटक घोषणा सोमबार नगरसभामे उपप्रमुख सरिता सिपलिया के द्वारा कएल गेल।

१४ वट वाडा सऽ युक्त ई पालिकामे वाडा नम्बर १, ३, ४ आ १४ लेल ८०/८० लाख रुपैयाक दर सऽ आ बाँकी १० वाडा लेल ५५/५५ लाख रुपैयाक दर सऽ बजट विनियोजन करबाक योजना अछि।

नगरस्तर सऽ वाडा कार्यालय संचालन लेल मात्रे ८ करोड़ ७० लाख रुपैया छुट्याएल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...