मन्त्री गुप्ताक राजीनामा

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
काठमांडू

संघीय मामिला आ सामान्य प्रशासन मन्त्री राजकुमार गुप्ता अपन पद सँ राजीनामा देलनि।

प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीक समक्ष आइ अपन राजीनामा सौंपलनि। गुप्ता कहलनि जे ओहि पर उठल आरोप सभक निष्पक्ष जाँच होइ से उद्देश्य सँ ओ पद त्याग कएलनि।

“सत्य आ तथ्य बाहर अबै मे सहयोग भेटत से विश्वास रखैत हम राजीनामा देलहुँ,” गुप्ता पत्रकार सभसँ कहलनि, “हमरा पर विश्वास करनिहार सभक प्रति आभार व्यक्त करैत छी।”

गुप्ताक विरुद्ध मे किछु दिन सँ सामाजिक सञ्जाल आ विभिन्न सञ्चारमाध्यम मे लाखौं रुपैयाँ घूस लेबाक अडियो सार्वजनिक भेलाक बाद हुनका भारी आलोचना भ’ रहल अछि।

पार्टीक प्रति निष्ठा देखबैत गुप्ता आगामी दिन मे संगठन द्वारा देल जाय वाला जिम्मेदारी केँ इमानदारी सँ निभेबै के प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...