नगरपालिकाक बजटके बेसी भाग शिक्षा आ स्वास्थ्यमे खर्च भ’ रहल छैः नगर प्रमुख क्षेत्री

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

बर्दिवास नगरपालिका–५ स्थित सेम नेपाल राष्ट्रिय माध्यमिक विद्यालयमे नव निर्मित चार कोठी भवन आइतवार एकटा समारोहक बीच उद्घाटन कैल गेल। समारोहमे नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे नगरपालिकाक बजटक बहुत पैसाक खर्च शिक्षा आ स्वास्थ्य क्षेत्रमे भ’ रहल छै।

समारोहमे संबोधन दैत नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि, “हमरालोकनि शिक्षा आ स्वास्थ्यके नगर विकासक मेरुदण्ड मानैत छी। एही दुनू क्षेत्र पर केन्द्रित भ’ नगर बजटक बेसी हिस्सा खर्च कैल जा रहल छै। हम विश्वास करैत छी जे एहीसँ आगामी पुस्ताक उज्ज्वल भविष्य सुनिश्चित होएत।”

ओना कहलनि जे विद्यालयक आधारभूत संरचना मजबूत बनेबाक काजमे नगरपालिका दृढताक संग लागल छै। ओ सेम नेपाल विद्यालयक घेराबाराक समस्या सेहो एही आर्थिक वर्षक बजटक माध्यमसँ समाधान होएत से जानकारी देलनि। “नगर क्षेत्रक सभ स्कूलके समान दृष्टिकोणसँ देखल जा रहल अछि, मुदा सभ समस्याक एक्के बेर समाधान संभव नै छै। प्राथमिकता आ आवश्यकताक आधार पर क्रमशः सभ समस्या समाधान करब,” ओ कहलनि।

विद्यालयक नव निर्मित चार कोठी भवन निर्माण समितिक अध्यक्ष ओमध्वज बस्नेत जानकारी देलनि जे ई भवन निर्माणमे नगरपालिका केर लगानी, स्थानीय सहयोग आ विद्यालय परिवारक सक्रियता मुख्य आधार रहल। हुनकर कहब अनुसार ई भवन आर्थिक वर्ष २०७९÷८० मे आरम्भ भेल छल आ २०८० सालक चैत २० गते सम्पन्न भेल। भवन निर्माणमे कुल रु. ४२ लाख ५२ हजार ३३४ रूपैयाँ ४५ पैसा खर्च भेल अछि।

स्थानीय अभिभावक, शिक्षक आ विद्यार्थी लोकनि भवन निर्माणसँ पढ़ाइक वातावरण सहज बनत से विश्वास प्रकट केलनि आ नगरपालिकाप्रति आभार व्यक्त केलनि। विद्यालय परिवार सेहो शिक्षा क्षेत्रमे निरंतर सक्रिय रहल नगर प्रमुख क्षेत्रीके विशेष धन्यवाद देलक।

समारोहमे स्थानीय जनप्रतिनिधि, शिक्षक, विद्यार्थी आ अभिभावक सभक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।