आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य आ पूर्व उपप्रधानमन्त्री विमलेन्द्र निधि गर्मीक मौसममे तराई-मधेश क्षेत्रमे देखाइ दऽ रहल भूगर्भ जल संकट प्रति गंभीर चासो व्यक्त कएलनि। ओ कहलनि जे एहि संकटक समाधान लेल संघ, प्रदेश आ स्थानीय तहक सरकार सभके समन्वयमे काज करबाक आवश्यकता छै।
शनिदिन जनकपुरधामस्थित श्री धर्म संस्थाक १२म् वार्षिक साधारणसभाक उद्घाटन समारोहके संबोधित करैत नेता निधि कहलनि जे चुरे क्षेत्रक दोहन आ वृक्ष कटनीक कारणसँ तराई मधेशक २२ जिलामे भूगर्भीय जल स्रोत सुखा रहल छै। एहन परिस्थिति सँ निपटबाक लेल त्वरित जल पुनर्भरण कार्यक्रमके प्राथमिकता देबाक आवश्यकता छै।
“गर्मीमे चापाकल सुखा जाइ छै, लोक पियाक लेल त्राहि-त्राहि करैत देखाइ छै। ई समस्या लोकक जीवन सं जुड़ल छै। एहनमे तीनू तहक सरकार सभ मिलिकय दीर्घकालीन योजना बनायल जरूरी छै,” ओ स्पष्ट कएलनि।
नेता निधि चुरे क्षेत्रक संरक्षण, वृक्षारोपण अभियानक तीव्रता आ जल पुनर्भरण कार्यक्रमक प्रभावकारी कार्यान्वयन द्वारा जल संकटके नियंत्रित करबाक सुझाव देलनि।
ओ एहि क्रममे रामस्वरुप साह आ रामसागर साह द्वारा स्थापित श्री धर्म संस्थाक माध्यमसँ मधेशक शैक्षिक आ सामाजिक विकासमे देल गेल योगदानक प्रशंसा सेहो कएलनि। ओ कहलनि— “संस्थागत रूपांतरणमे एहन सामाजिक संस्थाक भूमिका सदा प्रेरणास्पद रहल छै।”
पर्यटन प्रवर्द्धनक संदर्भमे अयोध्याधाम–जनकपुरधाम कनेक्टिविटीक अभाव पर प्रकाश पारैत निधि कहलनि जे धार्मिक आ सांस्कृतिक सम्पर्कक माध्यमसँ भारतसँ बड पैघ संख्यामे पर्यटकसभके नेपाल अनल जा सकैत छै। एकर प्रत्यक्ष सकारात्मक प्रभाव नेपालक अर्थव्यवस्थापर पड़त, ओ विश्वास व्यक्त कएलनि।
सभाक अध्यक्षता श्री धर्म संस्थाक सभापति ताराचन्द्र साह कएलनि। कार्यक्रममे ‘कमला बचाउ अभियान’क संयोजक विक्रम यादवके विशेष सम्मान देल गेल।





































