आज्ञा खबर
सर्लाही
डिभिजनल वन कार्यालय सर्लाही द्वारा वन संरक्षण आ प्रवर्द्धन सऽ जुड़ल विभिन्न कार्यक्रम सभक स्थलगत जानकारी देबाक लेल जिलाक संचारकर्मी सभ केँ वन क्षेत्रक निरीक्षण पर लऽ गेल गेल।
शुक्रदिन आयोजित अनुगमन भ्रमण केर क्रममे कार्यालय चालू आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे सम्पन्न कार्यक्रम, निरंतर भ’ रहल क्रियाकलाप आ नव योजना सभक विवरण सार्वजनिक केलक। अनुगमन टोली द्वारा कार्यालय सऽ उत्पादन कैल गेल विरुवा, नर्सरी आ वृक्षारोपण क्षेत्रक स्थलगत अवलोकन सेहो कैल गेल।
डिभिजनल वन प्रमुख सन्तोषकुमार झा संचारकर्मी सभ केँ बागमती क्षेत्रक भरत ताल (माछा पोखरी) सऽ जुड़ल चलि रहल वन अतिक्रमण मुद्दा, काठ तस्करी पर नियंत्रणक उपाय, लखन्देही-लखाधार आयोजना केर प्रगति तथा अतिक्रमण हटेबाक अभियान केर संबंध मे स्पष्ट जानकारी देलनि। प्रमुख झा के अनुसार, वन अतिक्रमण नियंत्रण आ जैविक विविधता केर संरक्षण मे कार्यालय सक्रिय रूप सऽ संलग्न अछि।
“वन क्षेत्रक संरक्षण मे जनसमुदाय आ संचारकर्मी केर भूमिका महत्वपूर्ण होइत अछि,” प्रमुख झा कहलनि, “सचेतना प्रसार लेल संचारकर्मी सभक सहयोग आर बेसी जरूरी अछि।”
एहि कार्यक्रम मे डिभिजनक वन अधिकारी, कर्मचारी आ जिलाक विभिन्न संचार माध्यम सऽ आएल प्रतिनिधि सभक उपस्थिति छल। सहभागी सभ द्वारा वन क्षेत्रक सुधार आ पारदर्शी कार्यप्रणाली केँ समर्थन दैत सकारात्मक धारणा प्रकट कैल गेल।





































