टुटेश्वरनाथ महादेव मन्दिरमे मेला के तैयारी: सभ्य, मर्यादित आ भव्य बनेबाक नगर प्रमुख के जोर

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी

बर्दिवास नगरपालिका–५ में अवस्थित ऐतिहासिक आ धार्मिक स्थल टुटेश्वरनाथ महादेव मन्दिर में सावन मास के सोमबार सँ शुरू होइ वला वार्षिक मेला एहि बेर विशेष रूप सँ मर्यादित, सभ्य आ भव्य ढंग सँ मनायल जाए के तैयारी कैल जा रहल अछि। मेला के व्यवस्थित करबाक लेल बर्दिवास नगरपालिकाक विभिन्न निकाय आ सरोकारवाला सभक बीच समन्वय आ सहयोग के अपेक्षा राखल गेल अछि।

शनिवार मन्दिर परिसर में आयोजित एकटा तैयारी बैठक में नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री मन्दिर संरक्षण समिति आ नगरपालिकाक पर्यटन पूर्वाधार विकास समिति के बीच समन्वय आवश्यक बतौलनि। ओ कहलनि जे धार्मिक पर्यटन के प्रवर्द्धन संगहि मेलाकेँ व्यवस्थित बनाबय लेल एकजुट भऽ क’ आगाँ बढनाई जरूरी अछि।

नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि, “धार्मिक स्थल के संरक्षण आ विकास नगरपालिकाक प्रमुख प्राथमिकता छी। टुटेश्वरनाथ जेकाँ गहिरा आस्था के केन्द्र में होइ वला मेला बर्दिवासक सांस्कृतिक, पर्यटन आ धार्मिक पहिचान के नव ऊँचाई द’ सकै के चाही।” ओ जतौलनि जे हरेक वर्ष लागऽ वला मेलामे स्थानीय उत्पादन सभक समुचित प्रवर्द्धन नहि भ’ सकबाक कारण मन्दिर आसपासक लोकक आर्थिक स्थिति मजबूत नहि भ’ सकल अछि। एहि वर्ष सँ मेलामे स्थानीय कृषि, हस्तकला आ घरेलु उत्पादनक लागि अलग स्टल बनायब आवश्यक अछि, ओ कहलनि। “धार्मिक मेलाक माध्यम सँ आर्थिक गतिविधिकेँ जोड़ब आब आवश्यक भ’ चुकल अछि,” क्षेत्री जोडि कऽ कहलनि।

नेपालक प्रमुख तीर्थस्थल सभ में गनल जाए वाला टुटेश्वरनाथ महादेव मन्दिर में सावन मास के सोमबार देश–विदेश सँ हजारों श्रद्धालु दर्शन लेल अबैत छथि। तीर्थयात्री सभक भीड़ के व्यवस्थित करबाक उद्देश्य सँ मेलामे सुरक्षा, यातायात, स्वास्थ्य आ अन्य सेवा सभक संयोजन के तैयारी कैल जा रहल अछि।

जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय, महोत्तरी द्वारा मेला अवधि में सवारी साधनक चाप के ध्यान में राखिक’ विशेष ट्राफिक योजना लागू करबाक घोषणा कैल गेल अछि। मेला क्षेत्र में सवारी आगमन–निर्गमन के अलग व्यवस्था, पार्किङ व्यवस्थापन आ ट्राफिक प्रबंधन प्रणाली के प्राथमिकता देल जाएत।

श्रद्धालु सभक सुरक्षाक लेल २५ जना नेपाल प्रहरी आ २५ जना सशस्त्र प्रहरी के तैनाती कैल जाएत, संगहि मन्दिर परिसर आ आसपासक क्षेत्र में पर्याप्त स्वयंसेवक सभकेँ परिचालन क’ मेलाक व्यवस्थापन में सहयोग देल जाएत। मेला संचालन समिति के सचिव गोविन्द श्रेष्ठ एहन जानकारी देलनि।

भीड़भाड़ में चोरी–डकैती जेकाँ अवांछित गतिविधि के रोकथाम लेल मन्दिर परिसर में सीसी क्यामेरा जड़बाक निर्णय सेहो बैठक में लेल गेल। निगरानी प्रणाली के मजबूती देल जायत, जाहिसँ श्रद्धालु के सुविधा आ सुरक्षा सुनिश्चित कएल जा सकै।

तैयारी बैठक में वडा नम्बर ५ के वडा सदस्य, सुरक्षा निकायक प्रतिनिधि, मन्दिर संरक्षण समिति, स्वयंसेवक समूह सहित विभिन्न सरोकारवाला सभक सक्रिय उपस्थिति रहल। सहभागी मूलक योजना, समन्वय आ पारदर्शिता के आधार पर मेला के सफल बनेबाक प्रतिबद्धता सभ पक्ष द्वारा व्यक्त कैल गेल।

स्थानीय बासिन्दा सभ सेहो मेलाक व्यवस्थापन में नगरपालिकाक सक्रियता आ समन्वयात्मक प्रयास के सकारात्मक दृष्टि सँ देखैत छथि। हुनकर अनुसार मन्दिर परिसरक साफ–सफाई, पेयजल, शौचालय आ विश्राम स्थल के व्यवस्थापन सेहो अत्यंत महत्वपूर्ण पक्ष छी, जाहिपर सरोकारवाला सभक ध्यान देल जाए के चाही।

एहि वर्षक टुटेश्वरनाथ महादेव मेला धार्मिक आस्था तक सीमित नहि रहिक’ स्थानीय पहिचान, पर्यटन विकास आ आर्थिक समृद्धि सँ जुड़ल एक बहुआयामिक उत्सव के रूप में स्थापित होय के संकेत एहि बैठक सँ स्पष्ट भ’ रहल अछि। नगरपालिकाक पर्यटन प्रवर्द्धन पूर्वाधार विकास समिति के नेतृत्व में मन्दिर संरक्षण समिति आ सम्पूर्ण समुदाय के सहभागितासँ मेला के सफल बनेबाक उम्मीद व्यक्त कैल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...