कमला नगरपालिका में अगिनिकांड पीड़ित सभके नि:शुल्क लकड़ी वितरण

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
धनुषा

धनुषा जिलाक कमला नगरपालिकामे किछु मास पूर्व भेल अगिनिकांडसँ घरविहीन भ’ गेल २३ गोटे पीड़ित परिवारके पुनःस्थापना लेल डिभिजन वन कार्यालय, धनुषा द्वारा नि:शुल्क लकड़ी वितरण कएल गेल।

शुक्रदिन आयोजित विशेष कार्यक्रममे डिभिजन वन कार्यालय द्वारा प्रत्‍येक पीड़ित परिवारके साल जातिक १६ सँ १८ क्यूबिक फीट धरि लकड़ी नि:शुल्क देल गेल। डिभिजनल वन अधिकारी विनोद सिंहक अनुसार संघीयता लागू भेलाक बाद विपद्‌ पीड़ितके सीधा नि:शुल्क लकड़ी वितरणक ई पहिल प्रयास छी।

प्रमुख सिंह कहलनि, “घरबार गुमेल पीड़ित सभक पुनर्निर्माणमे सहयोग करबाक उद्देश्यसँ ई लकड़ी वितरण कएल गेल अछि।”

एहि वितरण कार्यक्रममे मधेश प्रदेश सरकारक वन आ पर्यावरण मंत्री संजय कुमार यादव, प्रदेशक वन सचिव उद्धवबहादुर घिमिरे, वन निर्देशनालयक निर्देशक जगन्नाथ जैसवाल, कमला नगरपालिकाक नगर प्रमुख, जनप्रतिनिधि आ स्थानीय वनकर्मी सभक उपस्थिति छल।

कार्यक्रममे मंत्री यादव कहलनि, “वन हमर सभक साझा सम्पत्ति छी। ई जनताक अधिकारक हिस्सा छी। विपद्‌क समयमे जनहितक लेल वनस्रोतक उपयोग स्वाभाविक बात छी।”

सचिव घिमिरे कहलनि, “कानून, नीति आ सोचक अनुरूप वन स्रोत केँ मानव कल्याणक लेल उपयोग कएल जा सकैत अछि। एहन राहत वितरण कार्यक्रम केँ प्रदेश सरकार आगाँ सेहो जारी राखत।”

स्थानीय स्तर पर वन स्रोतक सामाजिक उपयोगक ई पहल मधेश प्रदेशमे जनकल्याणमुखी वन प्रशासनक शुभारंभक संकेत दैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।