गुरु जीवनक ज्योति छथि, शिक्षा केर मूल आधार छथि – मेयर क्षेत्री

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

गुरु पूर्णिमा केर पावन अवसर पर बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री सम्पूर्ण गुरुजन सभक प्रति श्रद्धा आ सम्मान प्रकट करैत हार्दिक शुभकामना सन्देश जारी कएलन्हि अछि।

शुभकामना सन्देश मार्फत मेयर क्षेत्री गुरुजनक योगदान केँ जीवनक अमूल्य धरोहर मानैत कहलन्हि, “गुरु ज्ञान, संस्कार आ नैतिकता केर साँचो दीप छथि। हुनक मार्गदर्शन सँ हम सभ उज्ज्वल भविष्य दिस अग्रसर भ’ सकैत छी।”

ओ कहला जे शिक्षा प्रणाली केर आधारशिला स्वयं गुरु छथि आ शिक्षक सभक परिश्रम, समर्पण आ योगदान प्रति ओ उच्च सम्मान प्रकट करैत छथि। “गुरु विद्यालय, समुदाय आ राष्ट्र निर्माणक मूल स्तम्भ छथि। आजुक दिन गुरुजनक योगदान केँ स्मरण, सम्मान आ मूल्यांकन करब विशेष महत्व रखैत अछि,” क्षेत्री कहलन्हि।

नगरप्रमुख क्षेत्री एहो जनौलन्हि जे नगरपालिकाक शिक्षा, युवा तथा खेलकूद शाखा मार्फत बर्दिवास नगर क्षेत्रक शिक्षक सभक क्षमता अभिवृद्धि, सम्मान आ समुचित व्यवस्थापन लेल ओ नेतृत्वकारी भूमिका निर्वाह क’ रहल छथि।

ओ गुरु पूर्णिमा केर अवसर पर समस्त अभिभावक, शिक्षक, विद्यार्थी आ नगरवासी सभ केँ परस्पर श्रद्धा, संस्कार आ शैक्षिक उत्थान लेल सहकार्य करबाक आह्वान सेहो केलन्हि।

“ई गुरु पूर्णिमा हम सभ में गुरुजन प्रति कृतज्ञता प्रकट करबाक भावना जागृत कराओ,” सन्देश केर अन्त मे मेयर क्षेत्री कहलन्हि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...