आज्ञा खबर
बर्दिवास
नेपाल चिकित्सक संघक आह्वान पर देशभरिक डाक्टर लोकनि उपभोक्ता अदालतक हालक फैसला विरुद्ध आन्दोलन पर उतरि चुकल छथि। सोमदिन सँ शुरू भेल आन्दोलनक क्रममे मंगलदिन डाक्टर सभ आपतकालीन आ गम्भीर सघन उपचार छोड़िकय सब सेवा बन्द क’ देने छथि।
ओहि फैसला सँ नेपाल मेडिकल काउन्सिलक अधिकार क्षेत्र पर हस्तक्षेप भेल अछि कहिकय डाक्टर सभक आक्रोश बढ़ि गेल अछि। हुनकर कथन अनुसार एहन फैसला स्वास्थ्यकर्मी सभक मनोबल पर चोट दैत अछि आ चिकित्सा पेशामे असुरक्षाक भावना फैलाबयवला खतरा ल’ आबि रहल अछि।
मंगलदिन राजधानी काठमाडौंक माइतीघर मण्डलामे भेला प्रदर्शनमे अपन आक्रोश व्यक्त करैत डाक्टर लोकनिक आन्दोलनक असर सम्पूर्ण देशक अस्पतालसभ पर देखल जा रहल अछि। बर्दिवास नगर क्षेत्रक निजी आ सरकारी अस्पतालसभमे सेहो आपतकालीन सेवा छोड़िकय सब उपचार सेवा बन्द भेला सँ अस्पताल आयल मरीज लोकनि सेवा नपाक’ विवश भ’ फेरि गेलाह।
नेपाल चिकित्सक संघ आन्दोलन जारी रखबाक चेतावनी दैत सरकार सँ त्वरित हस्तक्षेपक मांग कएलक अछि। संघक पदाधिकारी लोकनिक कहब अछि – “व्यावसायिक स्वतन्त्रता आ चिकित्सकीय निर्णयक स्वतन्त्रता पर अदालतक फैसला सीधा चोट पहुँचा रहल अछि, जे कत्तेओ सँ स्वीकार्य नहि अछि।”
स्वास्थ्य मन्त्रालय, कानुन मन्त्रालय आ आन सम्बन्धित निकाय संग वार्ताक प्रयास भ’ रहल अछि। मुदा सहमति नहि भेलासम्म सेवा ठप्प रखबाक रणनीति डाक्टर सभ ल’ चुकल छथि।





































