रूपन्देही–३ उपनिर्वाचन लेल संयुक्त उम्मेदवारी हेतु मधेशकेन्द्रित दल सभक बैठक मंगलदिन

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर

काठमाण्डौ

रूपन्देही–३ मे होमय बला उपनिर्वाचन सन्दर्भ मे रणनीति बनेबाक लेल मधेशकेन्द्रित दल सभक गठबन्धन संघीय लोकतान्त्रिक मोर्चा बैठकक आह्वान केने छै।

संभावित संयुक्त उम्मेदवारके निर्णय करबाक लेल मोर्चा आगामी मंगलदिन विशेष बैठक करत। मोर्चाक नेता केशव झाले जनौलनि जे ई बैठक काठमाण्डूक शंखमुल चोक स्थित होटल ए–वन प्यालेस मे दिउँसो २ बजे सँ शुरू हएत।

बैठक मे उपनिर्वाचन संबंधित निर्णय मात्र नहि, बल्कि निजामती सेवा ऐन आ संवैधानिक नियुक्ति सभ पर सेहो गंभीर चर्चा होएत, मोर्चा द्वारा जनावल गेल अछि।

संघीय लोकतान्त्रिक मोर्चा मे तराई–मधेश आधारित दल सभ शामिल अछि, जे वर्तमान राजनीतिक समीकरण मे निर्णायक भूमिका मे छथि। मोर्चा रूपन्देही–३ मे साझा उम्मेदवारी देबाक तैयारी क’ रहल अछि।

एहि सँ पहिने सेहो मोर्चाक नेतासभ लोकतान्त्रिक मूल्य आ मधेशक अधिकारके सुनिश्चित करबाक उद्देश्यसँ एकताक साथ चुनाव मे जएनाइ के संकेत देने छलाह। मंगलदिनक बैठक सँ उम्मेदवार चयन सँ ल’ क’ मोर्चाक आगामी रणनीति स्पष्ट होएबाक अपेक्षा कएल जा रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।