अज्ञा खबर
बर्दिवास
अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग बर्दिवास कार्यालय केर टोलिकेँ द्वारा गौशाला नगरपालिकाक विभिन्न योजना आ कार्य सम्पादन स सम्बन्धित कागजपत् सभ संकलन कैल गेल अछि। आयोग केर टोली आइतवार साँझ गौशालास्थित नगर कार्यालय पहुँचिकय आवश्यक फाइल आ दस्तावेज सभ अपन नियन्त्रणमे लेने अछि, आयोगक स्रोत एहि बातक जानकारी देने अछि।
टोली साँझ करीब ५ बजे कार्यालय पहुँचल आ तीन घंटा धरि रहलाक दौरान कर्मचारी सभ सँ पुछताछ करैत किछु महत्वपूर्ण कागजपत् संकलन कैल गेल। टोली चालु आर्थिक वर्षमे कार्यान्वयनमे रहल योजना आ कार्यक्रम सभ स सम्बन्धित सक्कल कागजपत् उठौने अछि।
सूत्रक अनुसार, गौशाला बहुमुखी क्याम्पसकेँ देल गेल अनुदान, बजार ठेक्का, वाडा स्तर पर संचालन भेल तालिम आ खेलकुद कार्यक्रम, सड़क निर्माण आ उपभोक्ता समितिक माध्यम सँ भेल पूर्वाधार निर्माण स जुड़ल फाइल सभ अख्तियार द्वारा अनुसंधान लेल लऽ गेल अछि।
नगरपालिकामे किछु समय सँ राजनीतिक आ प्रशासनिक असहमति देखल जा रहल अछि। नगर प्रमुख डा. दिपेन्द्र महतो आ उपप्रमुख रेणु कुमारी महतो केर बीचक विवाद आरो गहिर भऽ गेल अछि। किछु सप्ताह पहिने उपप्रमुख महतो नगरपालिकाक दर्ता–चलानी पुस्तिका अपन नियन्त्रणमे लऽ कऽ अख्तियार कार्यालयमे बुझौने छलीह। तकर प्रतिक्रियामे नगर प्रमुख उपप्रमुखक कार्यकक्ष पर ताला लगेबाक निर्णय लेने छलाह।
एहि आपसी विवाद आ अविश्वास केर कारण नगर कार्यसम्पादन पर सेहो असर पड़ि रहल अछि, स्थानीय वासिन्दा आ कर्मचारी सभक कथन अनुसार। अख्तियार केर छानबीन सँ नगरपालिकाक भीतरक अनियमितता आ प्रशासनिक झमेलाक खुलासा होएबाक अपेक्षा कएल जा रहल अछि।
नगर प्रमुख वा उपप्रमुख केर पक्ष सँ एखन धरि कोनो औपचारिक प्रतिक्रिया नइँ आयल अछि। अख्तियार प्रारम्भिक संकलन केर बाद आगाँ आर गहिर अनुसंधान करबाक संकेत देने अछि।
