औरहीमे करेन्ट लगला सँ मजदूरक मृत्यु, विद्युत विभागक लापरबाही सं स्थानीय लोक आक्रोशित

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर, महोत्तरी

महोत्तरी जिलाक औरही नगरपालिका मे करेन्ट लगला सँ एक गोटे मजदूरक मृत्यु भऽ गेल अछि। औरही–७ स्थित भोयल टिमकियाक कृषि सड़क पर कलभर्ट निर्माण काज मे लागल एक गोटे मजदूरक ऊपर ११ हजार भोल्टक विद्युत तार टूटिकऽ खसि पड़ल, जाहिसँ ओहि ठामे हुनकर मृत्यु भऽ गेल।

प्राप्त जानकारी अनुसार मृतक व्यक्ति रामगोपालपुर नगरपालिका–५ कञ्चनपुर निवासी ३२ वर्षीय छटु मुखिया छलाह। ई जानकारी इलाका प्रहरी कार्यालय औरही सँ भेटल अछि।

स्थानीय निवासी रोशन यादवक अनुसार, बिहान काज करैत काल अचानक ऊपर सँ हाई–भोल्टेजक विद्युत तार खसि पड़ल, जे सिधा छटु मुखियापर लागि गेल आ हुनकर घटनास्थल परहि मृत्यु भऽ गेल।

घटना लगते इलाका प्रहरी कार्यालय औरहीक टोली घटनास्थल पर पहुँचिकऽ अनुसन्धान शुरू कएने अछि।

स्थानीय लोकनिक आरोप छै जे नेपाल विद्युत प्राधिकरणक लापरवाहीक कारण ई घटना भेल अछि। ओ लोकनिक कहब छै जे विद्युत तार बारम्बार झुलैत रहैत छल, मुदा मर्मत काज नै होइत रहल, जाहिसँ जोखिम बढ़ि गेल। मुदा सम्बन्धित निकाय एकर प्रति गम्भीर नै भेल।

“केओ बरख पहिनहुँ एहेन घटनामे औरहीमे एक गोटे जनेके जान गेल छल, मुदा तकर बादो कखनो सुरक्षा सतर्कता नै लेल गेल,” — एक स्थानीय नागरिक कहलनि।

स्थानीय लोकनिक कहब अछि जे विद्युत संरचनाक सुधार आ निगरानीमे बेवास्ता रहला सँ जनधनक हानि भऽ रहल छै, एही लेल ओ लोकनि तत्काल सुरक्षा प्रविधि आ मर्मतक काजमे ध्यान देबाक मांग कए रहल छथि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।