बर्दिवासमे स्थानीय तहक १० वर्षक शिक्षा योजना पर अंतिम मसौदापर व्यापक विमर्श

[sharethis-inline-buttons]

अज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी

बर्दिवास नगरपालिकाक शिक्षा क्षेत्र केँ दीर्घकालीन, समावेशी आ गुणवत्तायुक्त बनेबाक उद्देश्य सँ तैयार कैल गेल “१० वर्षक शिक्षा योजना” केर अंतिम मसौदापर आइतवार एकटा सघन विमर्श कार्यक्रम आयोजित कैल गेल।

नगरपालिकाक युवा, खेलकुद आ शिक्षा शाखाक आयोजनामे सम्पन्न भेल एहि कार्यक्रममे नगर क्षेत्रक सामुदायिक आ संस्थागत विद्यालयसभक प्रधानाध्यापक, जनप्रतिनिधि, विषय विशेषज्ञ, सरोकारवाला संस्था, शिक्षा शाखाक पदाधिकारी आदिक उल्लेखनीय सहभागिता रहल।

कार्यक्रममे योजना निर्माणक आधार, औचित्य आ कानूनी पक्ष पर विस्तृत प्रस्तुति देल गेल। उपसचिव रेवती प्रसाद पराजुलीक अनुसार एहि योजना निर्माणमे SDG लक्ष्य संख्या ४, नेपालक संविधानक मौलिक अधिकार अन्तर्गत धारा ३१, ३८, ३९ आ ४०, शिक्षा नीतिक १६ वर्षक दीर्घकालीन योजना, अनिवार्य तथा निःशुल्क शिक्षा ऐन २०७५, नियमावली २०७७, स्थानीय सरकार सञ्चालन ऐन आदि दस्तावेजक गहन अध्ययन आ विश्लेषण कैल गेल अछि।

योजना मसौदाक प्रमुख बिंदु:

१. प्रारम्भिक खंड:
नगर क्षेत्रक भौगोलिक, सामाजिक, सांस्कृतिक, जनसंख्या, आर्थिक पक्ष आ शैक्षिक स्थितिक समग्र विश्लेषण देल गेल अछि। एहि खंडमे अवसर, चुनौती आ समस्याक पहिचान कऽ शिक्षा सुधारक आधार प्रस्तुत कैल गेल अछि।

२. दृष्टिकोण आ लक्ष्य:
शिक्षामे दीर्घकालीन दृष्टिकोण, लक्ष्य, उद्देश्य, रणनीति आ प्रमुख कार्यसम्पादन संकेतकसभपर चर्चा कैल गेल अछि। वर्तमान स्थितिसँ भविष्यक दिशामे कोना अग्रसर हेबाक स्पष्ट रूपरेखा देल गेल अछि।

३. विद्यालय शिक्षा उपक्षेत्र:
प्रारम्भिक बाल विकास शिक्षा, आधारभूत शिक्षा, माध्यमिक शिक्षा, प्राविधिक आ व्यावसायिक शिक्षा, प्रशिक्षण, अनौपचारिक शिक्षा आ जीवनपर्यन्त शिक्षासँ संबंधित पक्ष पर विस्तृत रूपसँ चर्चा भेल अछि। प्रत्येक उपक्षेत्रक वर्तमान स्थिति, समस्या, उद्देश्य, रणनीति, अपेक्षित उपलब्धि, क्रियाकलाप आ पाँच-दस वर्षमे प्राप्त हेबाक लक्ष्य समावेश कैल गेल अछि।

४. अन्तरविषयवस्तु:
पाठ्यक्रम, शिक्षण-सिखाइ सामग्री, मूल्यांकन, शिक्षक व्यवस्थापन, सूचना प्रविधि, विद्यालय भौतिक पूर्वाधार, स्वास्थ्य आ पोषण, विपद् जोखिम व्यवस्थापन, समावेशीकरण आदि विषय पर गहन विश्लेषण कैल गेल अछि।

५. सुशासन आ प्रबंधन:
विद्यालय सञ्चालक समिति, संरचना, मानव संसाधन, स्रोत व्यवस्थापन, आ पारदर्शिता, सहभागिता आ जवाबदेहिताक पक्ष समावेश कैल गेल अछि।

६. लगानी आ स्रोत व्यवस्थापन:
संघ, प्रदेश आ स्थानीय तहक बजट संगे गैरसरकारी संस्थाक सहयोग, भविष्यमे आवश्यक लागत आ स्रोतक प्रक्षेपण देल गेल अछि।

७. अनुगमन आ मूल्यांकन रूपरेखा:
योजना कार्यान्वयनक पश्चात कोना मूल्यांकन कैल जाएत, कुन संकेतकपर अनुगमन हेबाक अछि, तकर स्पष्ट रूपरेखा प्रस्तुत कैल गेल अछि।

कार्यक्रमक उद्घाटन करैत नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे शिक्षा केँ व्यवहारिक, गुणवत्तायुक्त आ प्रतिस्पर्धात्मक बनेब नगरपालिकाक प्राथमिकता अछि। ओ कहलनि जे पछिला तीन वर्षमे शिक्षा क्षेत्रमे किछु सुधार त भेल अछि, मुदा किछु विद्यालयक अवस्था एखनहुँ दयनीय अछि।

ओ कहलनि, “बर्दिवास नगरपालिकाक एसईई परिणाम एहि वर्ष महोत्तरी जिलामे उत्कृष्ट रहल। एहि सँ स्पष्ट होइत अछि जे बर्दिवासक शिक्षा अब राष्ट्रीय मापदण्डसँ मेल खाय लागल अछि।” ओ अभिभावकक सक्रियता, शिक्षकक प्रतिबद्धता आ कक्षामे शिक्षण सुधारक दिशामे नगरपालिकाक दृढ संकल्प व्यक्त केलनि।

कार्यक्रममे सहभागी सरोकारवालासभ योजना मसौदाक यथार्थपरक आ क्रियाशील होयबाक सराहना करैत ओकर प्रभावकारी कार्यान्वयनक लेल सभ पक्षक सहकार्य आवश्यक अछि कहने।

कार्यक्रम समापनपूर्व मसौदाक किछु खंडमे सहभागीसभक सुझाव अनुसार संशोधन करबाक निर्णय लेल गेल आ अंतिम प्रतिवेदन तैयार कऽ स्वीकृति प्रक्रियामे लैजाएत कहि कार्यक्रम समापन भेल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।