अज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी ।
बर्दिवास नगरपालिका–३ स्थित पर्साईधापक किसान सभकेँ लक्षित कए क’ शनिचर दिन पाड़ा वितरण कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि। बर्दिवास नगरपालिका पशु सेवा शाखा केर आयोजनामे बरपिपल कृषक समूहकेँ ६० प्रतिशत अनुदान पर २५ टा पाड़ा वितरण कैल गेल।
मांस उत्पादन मे आत्मनिर्भरता बढ़ेबाक उद्देश्य स’ संचालन कैल गेल पाड़ा प्रवर्द्धन कार्यक्रम मे बरपिपल कृषक समूहकेँ चयन कैल गेल छल। कार्यक्रम बर्दिवास–३ पर्साईधापमे आयोजित कैल गेल छल।
कार्यक्रम के संबोधित करैत नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे बर्दिवासक भौगोलिक विकटता केँ ध्यानमे रखैत पशुपालन केँ आत्मनिर्भरता आ आयस्रोत केर मुख्य आधार बनेबाक लक्ष्य अछि। ओ कहलनि, “पर्साईधाप जकाँ क्षेत्रसभमे पशुपालन द्वारा किसानसभक आर्थिक स्थिति सुधार लेल एहन कार्यक्रम लाओल गेल अछि। आब पशुपालन केँ व्यवसायिक आ आत्मनिर्भर बनेब हमर प्राथमिकता छी।”
ओतहि, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी सेहो पाड़ा प्रवर्द्धन कार्यक्रमक माध्यम सँ मांस उत्पादन केँ प्रोत्साहित करैत पर्साईधाप केँ मांस बजारक प्रमुख केन्द्रक रूपमे विकास करबाक बात कहलनि। ओ कहलनि, “हम सभ मांस उत्पादन लेल पाड़ा प्रवर्द्धन कार्यक्रम केँ आमदनीमुखी आ रोजगार सृजन करै वाला अभियानक रूपमे आगू बढ़ा रहल छी।”
पाड़ा वितरणक पश्चात बरपिपल कृषक समूह स्थायी आ व्यवसायिक पशुपालन दिस तेजीसँ अग्रसर होएबाक प्रतिबद्धता देखौलनि। स्थानीय किसानसभ सेहो कहलनि जे एहन कार्यक्रमसँ गाममे रोजगारक अवसर बनत आ मांसजन्य उत्पादनमे आत्मनिर्भरता प्राप्त होयत।
कार्यक्रममे स्थानीय जनप्रतिनिधि, पशु सेवा शाखाक प्राविधिक कर्मचारी, किसान आ समुदायक अगुआसभक उपस्थिति रहल।
