आज्ञा खबर
बर्दिवास
बरदिवास नगरपालिका केर आर्थिक सहयोग सँ संचालित ९० दिनक निःशुल्क लोकसेवा परीक्षा तैयारी कक्षा शनिदिन एक समारोहक बीच सम्पन्न भेल। बरदिवास–१ स्थित नमोबुद्ध इन्स्टिच्युट केर आयोजनामे सम्पन्न भेल ओहि तयारी कक्षामे ४८ गोटे विद्यार्थी सभ भाग लेलनि।
समापन समारोहमे प्रमुख अतिथि केर रूपमे उपस्थित बरदिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कार्यक्रममे संबोधन करैत कहलनि जे नगरपालिका क्षेत्रक विद्यार्थी सभ केँ लोकसेवा आयोगक आगामी परीक्षामे प्रतिस्पर्धी बनेबाक उद्देश्य सँ ई कक्षा सञ्चालन कैल गेल अछि। हुनका कहब छल– “हमर प्रयास अछि जे नगर क्षेत्रक युवासभ केँ सरकारी सेवा प्रवेशक अवसर भेटय। मेहनत, निरंतरता आ अनुशासन सँए सफलता संभव अछि।”
ओहि समारोहमे बरदिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासनिक अधिकृत राममणि अधिकारी सेहो विद्यार्थी सभ केँ सम्बोधित करैत कहलनि जे कठिन परिश्रम, लगनशीलता आ आत्म–अनुशासन अपनैले लोकसेवा परीक्षा पास करब असंभव नै अछि। हुनकर कहब छल– “प्रतिस्पर्धा अवश्य कठिन अछि, मुदा असंभव नै। अहाँ सबहक समर्पण आ मेहनते अहाँ सब केँ सफल बनाओत।”
९० दिनक तैयारी कक्षा इलाका प्रशासन कार्यालय बरदिवासक प्रमुख सुनिल शर्मा पौडेल आ संघीय भवन मधेश प्रदेश कार्यालयक लेखा अधिकृत रुद्र सुस्लिङ्ग केर सहजीकरणमे सम्पन्न भेल छल।
समापन समारोहमे सहभागी प्रशिक्षार्थी सभ अपन अनुभव साझा करैत कहला जे ओहि कक्षासँ हुनका लोकनि केँ ज्ञान, आत्मविश्वास आ प्रेरणा प्राप्त भेल अछि। ओ सभक प्रतिक्रिया छल जे एहन तालिम हुनका लोकनिक भविष्यक तैयारीकेँ आर सहज बना देने अछि।
नमोबुद्ध इन्स्टिच्युट, बरदिवास–१, महोत्तरी द्वारा आयोजित ई तालिम नगर क्षेत्रमे युवा लक्षित प्रशिक्षणक आवश्यकता केँ उजागर करैत अछि, आयोजक संस्था एना जनौलनि।
