आज्ञा खबर
बर्दिवास
मैथिली भाषी पाठक सभक लेल एकटा अलग अनुभूति, अपन संस्कृति आ पहिचान सँग जुड़ल प्रयास
महोत्तरी जिलाक बर्दिवास–१ स्थित आज्ञा खबर मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित लोकप्रिय ऑनलाइन समाचार पोर्टल “आज्ञा खबर डटकम” आब सऽ मैथिली भाषामे समाचार प्रकाशित करब शुरू कऽ देलक अछि। मिथिला क्षेत्रक पाठक लोकनिक भाषा, संस्कृति आ पहिचान सँग जुड़ावक भावनाक सम्मान करैत, शुक्रवार सऽ दैनिक रूपेँ मैथिली भाषामे समाचार नियमित रूपेँ प्रकाशित कएल जाएत।
मैथिली नेपालक संविधान द्वारा मान्यता प्राप्त एकटा राष्ट्रिय भाषा छी, जे मधेश आ मिथिला क्षेत्रमे व्यापक रूपसँ प्रचलित अछि। भाषा मात्र नहि, संस्कार, संस्कृति आ चेतनाक वाहक रूपेँ मैथिली केँ स्थापित करबाक उद्देश्य सँग आज्ञा खबर डटकम द्वारा ई पहिल उठाओल गेल अछि।
मैथिली भाषामे समाचार कोना पढ़ब?
मैथिली भाषामे प्रकाशित समाचार पढ़बाक लेल पाठक लोकनि www.aagyakhabar.com पर जाएत, ताहिपर ऊपर दिस “मैथिली” नामक विकल्प पर क्लिक करए पड़त। ओहि पर क्लिक केलाक बाद मैथिली भाषामे प्रकाशित सभ समाचारक सूची देखाएत।
“पाठक लोकनिक रोजी आ आवश्यकतानुसार भाषाई विविधता केँ समेटि कऽ आगू बढ़नाइ आजुक डिजिटल पत्रकारिताक प्रमुख आवश्यकता बनि चुकल अछि। मिथिलाञ्चलक हजारों पाठक सऽ भेटल अनुरोध आ सकारात्मक प्रतिक्रियाक आधार पर हम मैथिली भाषामे समाचार देबाक निर्णय लेलहुँ।“
स्थानीय पाठक, बुद्धिजीवी, लेखक आ भाषाविद लोकनिक अनुसार आज्ञा खबरक ई पहिल प्रशंसनीय अछि। बर्दिवास निवासी सामाजिक कार्यकर्ता लोकनि कहलनि—
“मैथिली भाषामे समाचार पढÞि ऐहन लगैत अछि जेना समाचार सीधा हृदय सँग बात कऽ रहल होए। ई प्रयास हमर भाषा आ पहिचान केँ बचा कऽ रखबाक दिशामे महत्वपूर्ण गोटि छी।“
मैथिली संस्करण अन्तर्गत—
क्षेत्रीय राजनीति, समाज, शिक्षा, कृषि, भाषा–संस्कृति, स्वास्थ्य, मनोरंजन आ जनजीवन सँग जुड़ल विषय वस्तु सभकेँ प्राथमिकताक संग समेटल जाएत।
स्थान विशेषक आवाज केँ सम्मान दैत, स्थानीय बौद्धिक आ रचनात्मक प्रतिभा सभकेँ सेहो लिखबाक लेल मंच देल जाएत।
आज्ञा खबर मिडिया परिवार मैथिली भाषाकेँ ऑनलाइन पत्रकारिताक मुख्य धारा मे आनबाक आ डिजिटल युगमे मिथिलाक सांस्कृतिक समृद्धि केँ विश्वसामे प्रस्तुत करबाक लेल विभिन्न योजना सेहो बनौने अछि।





































