बर्दिबासमे टीभीएस अर्बिटर इलेक्ट्रिक स्कुटर सार्वजनिक

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास
टीभीएस मोटर कम्पनी नेपाली बजारक लेल नयाँ इलेक्ट्रिक स्कुटर ’टीभीएस अर्बिटर’ बर्दिबासमे सार्वजनिक कैने अईछ। कम्पनीके नेपालक लेल आधिकारिक विक्रेता जगदम्बा मोटर्स प्रालि बर्दिबास स्थित आधिकारिक विक्रेता न्यु जानकी अटो इन्टरप्राइजेज मार्फत अर्बिटर सार्वजनिक केने जनौलईक ।
दैनिक सहरी यात्राकेँ लक्षित कके तयार पारल गेल टीभीएस अर्बिटरमे ३.१ किलोवाट घण्टाके ब्याट्री रहल अईछ। कम्पनीके अनुसार एई सँ एक बेरके चार्जमे १५८ किलोमिटरक आईडीसी रेन्ज भेटैत अईछ। स्कुटरक मूल्य २ लाख ८१ हजार ९ सय रुपैयाँ तय कईल गेल अईछ।अर्बिटरक मुख्य विशेषतामे उद्योगमे पहिल दाबी कएल गेल १४ इन्चक आगाँक चक्का हिल होल्ड असिस्ट, क्रुज कन्ट्रोल आ पार्किङ असिस्ट रहल अईछ। बड्का चक्का सँ सहरी सडकमे स्लो, ग्रिप आ आसानी नियन्त्रणमे सहयोग पहुँचायत से कम्पनी दाबी कैने अईछ।

स्कुटरमे ३४ लिटर क्षमताक अन्डर–सिट भण्डारण अईछ, जईमे दुटा हेल्मेट राईख सकैत अईछ। आेिहना, ८४५ मिलिमिटर लाम्बा फ्ल्याटफर्म सिट, २९० मिलिमिटरक सोझ फुटबोर्ड आ १६९ मिलिमिटरक ग्राउन्ड क्लियरेन्स सँ डाईबर आ पछ्छाँ बैसनिहार यात्रुकेँ आसानी प्रदान करत कहिके कम्पनी जनाउने अईछ।

टीभीएस अर्बिटरमे कनेक्टेड मोबाइल एप, कल आ म्यासेजके सूचना देखाबेवला रङ्गीन एलसीडी डिजिटल क्लस्टर, भाइजर सहितके आगाँक एलईडी हेडलाइट, एज–टु–एज फ्रन्टलाइट, यूएसबी चार्जिङ आ ओटीए अपडेट जेका सुविधा रहल अईछ।
सुरक्षा तरफ दुर्घटना,स्कुटर खसल, चोरी, जियोफेन्स आ टाइमफेन्स के बिषयमे सूचना दैबाक सुविधा समावेश कएल गेल अईछ। मोबाइल एप मार्फत ब्याट्रीक चार्ज के अवस्था आ ओडोमिटर जाँच करेबला सुविधा अईछ। स्कुटरमे इको आ सिटी कके दुटा राइडिङ मोड रिजेनेरेटिभ ब्रेकिङके सुविधा सेहो अईछ।
सार्वजनिक कार्यक्रममे न्यु जानकी अटो इन्टरप्राइजेज बर्दिबासक प्रबन्ध निर्देशक रामनारायण साह आ जगदम्बा मोटर्सके क्षेत्रीय प्रबन्धक अर्जुन खनाल संयुक्त रूपमे टीभीएस अर्बिटर सार्वजनिक केने छल ।
ओहि अवसरमे प्रबन्ध निर्देशक साह बर्दिबासमे टीभीएस अर्बिटर सार्वजनिक करेकेलेल उत्साही भेल बतैलईन, टीभीएस आइक्युबक सफलता पछु अर्बिटर नेपालके इलेक्ट्रिक दुचक्का बजारमे आनला सँ कम्पनीकेँ आरो मजबुत बनायत विश्वास व्यक्त कैलन्।
जगदम्बा मोटर्सके क्षेत्रीय प्रबन्धक खनाल नेपाली उपभोक्ताके जरुरी आ नेपालक विविध सडक,भौगोलिक अवस्थाकेँ ध्यानमे राखैत अर्बिटर तयार कएल गेल बतौलईन । उनका कहनाममे आकर्षक डिजाइन, आधुनिक प्रविधि, आराम, उपयोगिता आ ऊर्जा दक्षताकेँ स्कुटरमे एकीकृत कएल गेल अईछ।
टीभीएस अर्बिटर नियोन सनबस्र्ट, कस्मिक टाइटेनियम आ मार्सियन कपर तीन रङ्गमे उपलब्ध होईत कहिके जनाओल गेल अईछ।
कम्पनीक फिचरमे अर्बिटरमे उन्नत वायुगतिकीय डिजाइन प्रयोग कएल गेल अईछ, जईसँ ऊर्जा दक्षता आ स्थिरता सुधार करेमे सहयोग पहुँचाईत। बलुवार बडी, पर्याप्त ग्राउन्ड क्लियरेन्स आ कनेक्टेड सुरक्षा सुविधाके कारण नेपाली सडकके लेल सेहो उपयुक्त होईत से कम्पनीके दाबी रहल अईछ।
जगदम्बा मोटर्सक देशव्यापी रुपमे बिक्री तथा सेवा सञ्जाल मार्फत ग्राहककेँ बिक्री सेवा उपलब्ध कराओल जाईत। टीभीएस मोटर कम्पनी इलेक्ट्रिक मोबिलिटीकेँ विस्तार करेखातिर ब्याक क्रममे अर्बिटरकेँ नेपाली बजारमे महत्वपूर्ण उत्पादनक रूपमे आगाँ बढाउने अईछ।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...