पर्सा राष्ट्रिय निकुञ्जमे ‘बाघ मित्र’ अभियान

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

बाघके सङ्ख्या वृद्धि भेलासँ पर्सा राष्ट्रिय निकुञ्ज ‘बाघ मित्र’ अभियानकेँ सञ्चालन करबाक तैयारी केलक अइछ । पर्सा राष्ट्रिय निकुञ्जमे पाठे बाघके सङ्ख्या ७१ पहुँचल अइछ । निकुञ्जके प्रमुख रामचन्द्र खतिवडा अनुसार निकुञ्जमे अइसँ पहिने ४१ बाघ छल आ हाल भेल बाघ गणनामे ३० टा बढ़ल अइछ ।

निकुञ्जमे बाघके सङ्ख्या बढलासँ वन्यजन्तुप्रतिके नागरिकके सोच आ बानीमे परिवर्तन आइन क मानव–बाघबीच सहअस्तित्व प्रवर्द्धन करबाक तथा वन्यजन्तुसभसँ होएबला मानवीय क्षतिकेँ शून्यमे करबाक लक्ष्यसहित निकुञ्ज ‘बाघ मित्र’अभियान विस्तारके तैयारी कएल गेल प्रमुख खतिवडा बतौलैन । निकुञ्जसँ जुड़ल पर्सा, बारा आ मकवानपुर जिलाक डिभिजन वन कार्यालयक समन्वयमे समुदायस्तरमे अभियान सञ्चालन कएल गेल निकुञ्ज प्रमुख खतिवडाके कहब अइछ । हुनक कहब अनुसार अभियानअन्तर्गत समुदायके अग्रसरतामे वन्यजन्तुके महत्वबारे जनचेतना, वन्यजन्तुसँ कोना बचब, राहत प्राप्तिके प्रक्रियाबारे अन्तक्र्रिया तथा बातचित कार्यक्रम सञ्चालन भ रहल अइछ ।

“कहियो काल आहारके खोजीमे बाघ जङ्गलसँ निकलैत छै, बाघकेँ देखते लोकके नकारात्मक सोच आइब जाइत छै। तँए बाघप्रति समुदायमे सकारात्मक सन्देश देबाक आ बाघसँ बचँबाक विधिबारे सचेतना अभियान चलौने छी।” से हुनकर कहब छैन । जङ्गलमे आइग लगाएब, चोरी तस्करी केनिहार लगायत व्यवहारके कारण वन्यजन्तुसभ जङ्गलसँ बाहर निकललासँ मानव आ वन्यजन्तुबीच द्वन्द्व भ रहल ओ बतौलैन । रासस

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...