जनकपुरधाममे पर्यटककेँ लेल आवश्यक संरचना निर्माण कएल जाएत’

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव जनकपुरधाम आबैबला पर्यटककेँ लम्बा समयधैर रहबाक लेल आवश्यक पर्यटन संरचना निर्माण करबाक बतौलैन अइछ । जनकपुरधामस्थित श्रीराम युवा कमिटीके नवनिर्वाचित पदाधिकारीसभक शैनदिन शपथग्रहण तथा पद हस्तान्तरण कार्यक्रममे मुख्यमन्त्री यादव जनकपुरधाम धार्मिक आ पर्यटन दृष्टिकोण अत्यन्त सम्भावनायुक्त सहर भेलासँ अइ ठामक धार्मिक तथा पुरातात्विक सम्पदाके स्तरोन्नति क नमूना पर्यटकीय सहरके रूपमे विकास करबाक लेल आवश्यक संरचना निर्माण करबाक बतौलैन अइछ ।

जनकपुरधामकेँ सफा, हराभरा आ व्यवस्थित पर्यटकीय सहर बनेबाक लेल प्रदेश सरकारक साथ, सहयोग आ प्रतिबद्धता रहबाक ओ स्पष्ट केलैन । जनकपुरधाममे निर्माणाधीन रामजानकी अन्तर्राष्ट्रिय रङ्गशाला सम्पन्न करबाक लेल आवश्यक बजेट व्यवस्थापन कएल गेल उल्लेख करैत मुख्यमन्त्री यादव पर्यटकके आकर्षण बढ़ेबाक लेल रामजानकी विवाह मण्डपके स्तरोन्नतिके काज सेहो आगु बढ़ाएल गेल जानकारी देलैन । जनकपुरधाममे रामायण स्पिरिचुअल पार्क निर्माणक लेल प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल कहैत मुख्यमन्त्री यादव बितल समय जनकपुरधाममे पर्यटकके आकर्षणके केन्द्र बनैत गेल महागङ्गा आरतीकेँ आओर भव्य आ व्यवस्थित बनेबाक योजना सेहो प्रदेश सरकारके रहल बतौलैन ।

जनकपुरधाम पहिनेके तुलनामे पैघ आ सफा भेल उल्लेख करैत एकरा आओर स्वच्छ, हराभरा तथा पर्यटकमैत्री बनेबाक लेल प्रदेश सरकार निरन्तर सहयोग करबाक मुख्यमन्त्री यादव बतौलैन । कार्यक्रममे मधेश प्रदेश सभा सदस्य दीपेन्द्र ठाकुर जनकपुरधामक ऐतिहासिक, धार्मिक तथा पुरातात्विक सम्पदाके संरक्षणमे स्थानीय क्लब आ संस्थासभक भूमिका महत्त्वपूर्ण रहल बतौलैन । जनकपुरधामके विकासक लेल राजनीतिक आस्थासँ उपर उइठ क एकताबद्ध भ आगु बढ़बाक लेल जोड़ दैत ओ जनकपुरधाममे रहल ५२ कट्ठा ७२ धुर क्षेत्रफलके संरक्षण तथा संवर्द्धनक लेल प्रदेश सरकार विशेष बजेट विनियोजन करबाक आवश्यकता भेल बतौलैन ।

धार्मिक, सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक सम्पदाके संरक्षणमे सब पक्षके एक होबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन । श्रीराम युवा कमिटीक नवनिर्वाचित अध्यक्ष विजय कुमार साहके अध्यक्षतामे आयोजित उक्त कार्यक्रममे प्रदेश सभा सदस्य तथा मधेश प्रदेश सरकारक पूर्वमन्त्री वीरेन्द्र सिंह, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके प्रमुख मनोज कुमार साहलगायत नवनिर्वाचित कमिटीक पदाधिकारीकेँ शुभकामना देने छलैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...