आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
धनुषा जिला अदालत जनकपुरधाम बितल आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे पाँच हजार २ सओ १६ टका मुद्दा फर्छ्यौट केलक अइछ । अदालतके सूचना अधिकारी हेमकुमार महतोके कहब अनुसार उक्त आवमे पाँच हजार ८ सओ ४४ नयाँ मुद्दा दर्ता भेल छल । ओइसँ पहिनेके आवसँ चाइर हजार २ सओ ३१ टका मुद्दा सरुवा भ आएल छल ।
कुल १० हजार ७५ मुद्दामध्ये पाँच हजार २ सओ १६ मुद्दा फर्छ्यौट भेल सूचना अधिकारी महतो बतौलैन । हुनक कहब अनुसार हाल पाँच हजार ५९ मुद्दा विचाराधीन अवस्थामे अइछ । अदालत आव २०८१/८२ मे पाँच हजार ७ सओ १ मुद्दा फर्छ्यौट कएने छल । ओइ साल पाँच हजार ७ सओ ५३ नयाँ मुद्दा दर्ता भेल छल, तँ चाइर हजार एक सओ ७९ मुद्दा पहिनेके आवसँ सरुवा भ आएल छल ।
कूल नौ हजार ९ सओ ३२ मुद्दामध्ये पाँच हजार ७ सओ १ मुद्दा फर्छ्यौट कएल गेल अदालत जनौलक अइछ । धनुषा जिला अदालत स्वचालित पेसी प्रणाली लागू कएलाक बाद सेवाग्राही जल्दी आ पारदर्शी न्याय सम्पादनके अनुभूति करए लागल अदालतके दाबी अइछ । प्रणाली लागू भेलाक बाद पेसी व्यवस्थापनमे सहजता आएल, मुद्दाके सुनुवाइ प्रक्रिया व्यवस्थित भेल तथा सेवाप्रवाहमे सुधार आएल सूचना अधिकारी महतो बतौलैन । आबैबला दिनमे सेहो न्याय सम्पादनकेँ थप प्रभावकारी, प्रविधिमैत्री आ सेवाग्राहीमुखी बनेबाक अदालत प्रशासन जनौलक अइछ । (रासस)
