धनुषामे बितल आर्थिक वर्षमे ५७ किलोमिटर सड़क ढलान

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

पूर्वाधार विकास कार्यालय जनकपुरधाम बितल आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे सड़क पूर्वाधारदिस प्रगति हासिल भेल जनौलक अइछ । कार्यालय अनुसार उक्त अवधिमे धनुषाक विभिन्न स्थानमे ५७ किलोमिटर सड़क ढलान तथा २२ कल्भर्ट निर्माण सम्पन्न कएल गेल अइछ । तहिना, २२ दशमलव पाँच किलोमिटर सड़कमे ग्राभेल आ एक किलोमिटर सड़क पक्की कएल गेल कार्यालय प्रमुख सञ्जीव कुमार साह जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार ओइ अवधिमे सात किलोमिटर सड़क मर्मत–सम्भारके काज सेहो सम्पन्न भेल अइछ । निरन्तरके प्रयासक बाद आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे जनकपुरधाममे बिपी स्मृति सभाहल तथा सबैलामे योगनारायण स्मृति सभाहल निर्माण सम्पन्न भेल ओ बतौलैन । उक्त अवधिमे धनुषाक विभिन्न स्थानमे २२ टा सामुदायिक भवन आ दूटा सभाहल निर्माण सम्पन्न कएल गेल ओ जानकारी देलैन ।

मधेश प्रदेश सरकारद्वारा धनुषामे सञ्चालित ३२ टा बहुवर्षीय योजनामध्ये अधिकांश योजनाके काज अन्तिम चरणमे रहल कार्यालय जनौलक अइछ । कार्यालय प्रमुख साहके कहब अनुसार बहुवर्षीय योजनाअन्तर्गत सञ्चालित ‘एक निर्वाचन क्षेत्र सड़क कार्यक्रम’ सेहो अन्तिम चरणमे अइछ । उक्त कार्यक्रमअन्तर्गत सब निर्वाचन क्षेत्रमे पाँच–पाँच किलोमिटर सड़क निर्माण तथा पक्की करबाक योजना अइछ । अइ बीच, बहुवर्षीय योजनाअन्तर्गत जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१ स्थित जलाद नदीमे पुल निर्माण तथा धनुषाके भिमानसँ महनगाछी–किसनपुरधैर सड़क पक्कीके काज सम्पन्न भेल प्रमुख साह बतौलैन ।

जनता आवास कार्यक्रमअन्तर्गत धनुषा आ महोत्तरीमे सञ्चालित आवास कार्यक्रमअन्तर्गत ७ सओ ९६ आवासमध्ये ६ सओ ३८ आवास निर्माण सम्पन्न भेल अइछ । बाँकी आवास सम्बन्धित अदालतमे मुद्दा विचाराधीन भेलासँ काज रोकल गेल प्रमुख साह बतौलैन । तहिना, धनुषामे महेन्द्र नारायण निधि विपन्न आवास योजनाअन्तर्गत धनुषामे एक सओ ५ आवासमध्ये ७१ टा आवास भवनके निर्माण कार्य सम्पन्न भेल अइछ । बाँकी ३४ टा भवन निर्माणाधीन अवस्थामे रहल प्रमुख साहके कहब छैन । विपन्नसँ मदन भण्डारी विपन्न आवास योजनाअन्तर्गत धनुषामे ५५ आवास भवनमध्ये २९ टाके निर्माण कार्य सम्पन्न भेल आ बाँकी निर्माण भ रहल प्रमुख साह बतौलैन । (रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...