यातायात कार्यालयद्वारा ५७ करोड़ १५ लाख राजस्व सङ्कलन

[sharethis-inline-buttons]

 आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

यातायात व्यवस्था कार्यालय जनकपुरधाम, धनुषा आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे ५७ करोड़ १५ लाख टकासँ बेसी राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । सेवाग्राहीसँ बितल आर्थिक वर्षमे उक्त राजस्व सङ्कलन कएल गेल कार्यालय जनौलक अइछ । नयाँ सवारी दर्ता, नवीकरण तथा सवारी चालक अनुमतिपत्र वितरण लगायतसँ आव २०८२/८३ मे कार्यालय ५७ करोड़ १५ लाख ३० हजार ६ सओ ३६ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल कार्यालय प्रमुख वासुदेव मल्ल राससकेँ बतौलैन ।

उक्त राजस्व बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के तुलनामे नौ करोड़ ५४ लाख १३ हजार ३ सओ ४४ टका कम सङ्कलन भेल ओ जानकारी देलैन । कार्यालय बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे विभिन्न शीर्षकमे ६६ करोड़ ६९ लाख ४३ हजार ९ सओ ८० टका राजस्व सङ्कलन कएने छल । बितल भादब २३ आ २४ गतेके ‘जेनजी’ आन्दोलन, आर्थिक वर्षके अन्तिम महिनामे यातायात व्यवस्था विभाग सफ्टवेयर निर्माणक क्रममे देरी भेलाक कारण राजस्व सङ्कलनमे कमी आएल बताओल गेल अइछ ।

कार्यालय प्रमुख मल्लके कहब अनुसार आव २०८२/८३ मे मोटरसाइकल १६ हजार ९ सओ ५७ टा, बस/ट्रक एक सओ ८७ टा, टेम्पो/विद्युतीय रिक्सा एक हजार ९ सओ २ टा, ट्याक्टर एक हजार २२ टा, जिप/कार २ सओ २६ टालगायत २१ हजार २ सओ ९४ टा नयाँ सवारी दर्ता भेल अइछ । अइ अवधिमे नयाँ आ वर्ग थपसहित १३ हजार ३ सओ ३८ गोटेकेँ सवारीचालक अनुमतिपत्र वितरण कएल गेल छल । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...