गढ़न्ता धारके बाईढमे दहाकँ बर्दिबासके एक वृद्धके मृत्यु

[sharethis-inline-buttons]

निकेश खनाल
मैथिली अनुवाद बर्दिवास
महोत्तरीक बर्दिबास नगरपालिका–५ स्थित गगढ़न्ता धारमे आएल आकस्मिक बाईढमे दहाके एक वृद्धके मृत्यु भेल अईछ।
जिला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके अनुसार बुधदिन शुबह खेतमे पाईन लगाबयके लेल राखल मोटर निकालयकेलेल गढ़न्ता धारतरफ गेल बर्दिबास–५ निवासी इन्द्रबहादुर बस्नेतके बेटा, गाउँघरमे “हकवाला बस्नेत“ कहिक चिन्हैवला अन्दाजी ६०–६२ वरीषके टंकबहादुर बस्नेत बाईढमे दहागेल छल।

प्रहरीके अनुसार उ साउन २० गते शुबह करिब ३ बजे मोटर निकालय धारदिसन गेल समयमे अचानक धारमे बईढ आएल छल आ बाईढ हुनका दहा देलक। हुनका धार दहैलाकेबाद हुनका पत्नी तथा आपन अदमी खोजी करैत काल शुबह करिब ८ बजे घटनास्थल से करिब ३ किलोमिटर दक्षिण दिसन धारमे मुहेभरे जमिनमे गिरल अवस्थामे हुनका लास (शव) भेटल अईछ।

घटनाक जानकारी प्राप्त होइतेहि अस्थायी प्रहरी पोस्ट माइस्थानसे प्रहरी टोली घटनास्थल पुहुँचके घटनास्थलके मुचुल्का लगायत आवश्यक कानुनी प्रक्रिया पूरा केलक अईछ।

अई घटनाके बिषयमे थप अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौने अईछ।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...