फरार प्रतिवादी गिरफ्तार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

वीरगञ्ज

प्रहरी आइ १३ गोटे फरार प्रतिवादीकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । विभिन्न मुद्दाक अभियुक्तकेँ आइए पर्सा जिला अदालतमे दाखिला कएल गेल जिला प्रशासन कार्यालय पर्साके प्रहरी नायब उपरीक्षक चक्र बहादुर मल्ल जानकारी देलैन । प्रहरी चेक बाउन्समे छ, चोरीमे एक, माइरपिटमे दू, घरेलु हिंसामे तीन आ बिगो भरिभराउमे एकसहित १३ गोटेके गिरफ्तार कएल गेल जनौलक अइछ ।

बिगो भरिभराउ मुद्दा शीर्षकके प्रतिवादी एक गोटेकेँ दू साल कैद तोकल गेल अइछ । तहिना, चेक बाउन्सके छ गोटेकेँ आठ हजार ५ सओ टका जरिवाना, चोरीके एक गोटेकेँ पाँच हजार टका, माइरपिटके दू गोटेकेँ छ हजार टका आ घरेलु हिंसाके तीन गोटेकेँ १५ हजार टका जरिवाना कएल गेल अइछ ।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...