आज्ञा खबर
पर्सा
लक्ष्मी खड्का सिलवालके मृत्यु शङ्कास्पद रहल कहैत हुनक नैहर पक्ष निष्पक्ष छानबिन क दोषीपर कड़ा कारबाहीके माँग केलक अइछ । पीड़ित नैहर पक्ष सोमदिन पत्रकार सम्मेलन क पर्साके सखुवा प्रसौनी गाउँपालिका–१ सिद्धपुरके ३७ वर्षीया सिलवालके हत्या भेल कहैत शीघ्र न्यायके लेल अनुरोध केलक अइछ । ठोरी गाउँपालिका–३ रामनगर नैहर भेल खड्काके लहास साओन ८ गते भोर अपने घर लग रहल गोहालीमे भेटल छल ।
मृतक खड्काके बाबु खड्क बहादुर घटनाके सत्यतथ्य छानबिन आ दोषीकेँ कारबाही करबाक माँग केलैन । पीड़ित जिला प्रशासन कार्यालय आ जिला प्रहरी कार्यालयमे सेहो ज्ञापनपत्र देने अइछ । ठोरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष लाल बहादुर श्रेष्ठ लक्ष्मीके हत्या कएल गेल विषयमे पर्याप्त प्रमाण भेल उल्लेख करैत घटनाके बारेमे अनुसन्धान करबाक लेल सम्बन्धित निकायसँ अनुरोध केलैन । (रासस)
