विश्व स्तनपान सप्ताह आइसँ

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन (डब्ल्युएचओ), राष्ट्रसंघीय बाल कोष (युनिसेफ), स्वास्थ्य मन्त्रालय तथा विभिन्न देशक संस्थाके सहयोगमे अगष्टके पहिल सप्ताहमे विश्व स्तनपान सप्ताह आइसँ शुरू भेल अइछ । अइ साल ‘जीवनके दीर्घकालिन शुरूआतक लेल स्तनपानः प्रभावकारी अभ्यासकेँ आओर सुदृढ बनाउ ’ नारासँ सप्ताह मनाबैत अइछ।

अभियान स्तनपान प्रवर्द्धनक लेल प्रभावकारी अभ्यासकेँ निरन्तरता दैत माए आ नवजात शिशुकेँ स्वास्थ्य प्रणाली, समुदाय, कार्यस्थल तथा सरकारी नीतिमार्फत सहयोग करबाक चाही ताहिपर जोड़ देल गेल अइछ । डब्ल्युएचओ अनुसार विश्वके विभिन्न देशमे अखनो बहुत माए आ परिवार स्तनपानकेँ सहज बनेबाक आवश्यक लेल स्वास्थ्य सेवा, आ परामर्श प्राप्त नै क सकल छै । तइयो स्तनपान शिशुके स्वास्थ्य संरक्षण करबाक सबसँ सरल आ प्रभावकारी उपायमध्ये एक छी ।

अइसँ शिशुकेँ आवश्यक पोषण सङे रोग प्रतिरोधात्मक क्षमता बढ़ाएब, गम्भीर रोगसँ बचेबाक तथा मस्तिष्कके विकासमे महत्वपूर्ण योगदान दैत छै । अइ सालके डब्ल्युएचओ आ युनिसेफ मातृ तथा नवजात शिशुक लेल गुणस्तरीय स्तनपान सेवा विस्तार, समुदायमे आधारित परामर्श कार्यक्रम सुदृढ बनाएब, माएके दूधके विकल्पमे प्रयोग होएबला उत्पादनके अन्तर्राष्ट्रीय आचारसंहिताके प्रभावकारी कार्यान्वयन, सशुल्क प्रसूतिमे छुट आ स्तनपानमैत्री कार्यस्थल सुनिश्चित करबाक लेल सब देशकेँ आग्रह केलक अइछ । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...