जयनगर–जनकपुर–भङ्गाहा रेल सेवा स्थगन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

नेपाल रेल्वे कम्पनी लिमिटेड जयनगर–जनकपुर–भङ्गाहा रेल खण्डअन्तर्गत सञ्चालित रेल सेवा अस्थायी रूपमे स्थगित केलक अइछ । कम्पनीके केन्द्रीय कार्यालय जनकपुरधाम आइ सूचना जारी करैत जिला प्रशासन कार्यालय धनुषासँ जारी कर्फ्यु आदेशक कारण यात्रीसभके सुरक्षाकेँ मध्यनजर करैत रेल सेवा दोसर सूचना जारी नै भेलाधैर स्थगित कएल गेल जनौलक अइछ । सूचनामे प्रमुख जिला अधिकारीसँ जारी कर्फ्यु आदेशक आधारमे उक्त निर्णय कएल गेल उल्लेख अइछ ।

नेपाल रेल्वे कम्पनी जयनगर–जनकपुर–भङ्गाहा रेल खण्डमे हाल सञ्चालन होइत रहल सेवा कर्फ्यु कायम रहलाधैर सञ्चालन नै होबाक सूचनामे उल्लेख कएल गेल अइछ । यात्रीसभमे पडल असुविधाप्रति क्षमायाचना करैत परिस्थिति सामान्य भेलाक बाद सेवा पुनःसञ्चालन कएल जेबाक निमित्त प्रशासन प्रमुख अजय कुमार सिंहद्वारा जारी सूचनामे उल्लेख अइछ। रासस

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...