धनुषाक मन्दिर परिसरमे भेटल शव पुजारीके नै भेल पुष्टि

[sharethis-inline-buttons]

 

आज्ञा खबर

काठमाण्डू

धनुषाके सबैला नगरपालिका–१२ स्थित मन्दिर परिसरमे मृत अवस्थामे भेटल व्यक्ति बन्ठु राउत कडेरी पुजारीके नै भेल पुष्टि भेल अइछ । मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालयक प्रहरी नायब महानिरीक्षक (डिआइजी) ओमप्रसाद अधिकारी कडेरी पुजारी नै भेल स्पष्ट केलैन ।

लहास पुजारीके भेल कहैत सामाजिक सञ्जाल तथा आमसञ्चार माध्यममहिनामेत सूचना आ समाचार सम्प्रेषण भ रहलाक सन्दर्भमे प्रदेश प्रहरी प्रमुख अधिकारी गलत सूचना सम्प्रेषण भेलापर आपत्ति व्यक्त करैत अइ किसिमके संवेदनशील विषयमे भ्रम नै फैलेबाक लेल सबसँ आग्रह कएने अइछ। तहिना, जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा सेहो आइ एक विज्ञप्ति जारी करैत मृतक कडेरी पुजारी नै भ क बटोही रहल स्पष्ट केलक अइछ ।

जिप्रका धुनषाक प्रहरी नायब उपरीक्षक मधुसुधन न्यौपाने कहलैन, “मन्दिर परिसरमे भेटल शव कडेरीके नै छी, बटोहीके रहल पुष्टि भेल छै, घटनाक सम्बन्धमे विस्तृत रुपमे अनुसन्धान करबाक लेल कुकुरसहितके समूह खटल अइछ ।” प्रहरी ई घटनाकेँ धर्मसँ नै जोडबाक आग्रह करैत ओ बाहर कामकाज कएलाक बाद मन्दिरमे सुतैत रहल आ घटना विशुद्ध आपराधिक व्यक्तिसँ भेल बताएल गेल अइछ । घटनामे संलग्न जे व्यक्ति भेलोपर कानुनके दायरामे आनल जेबाक प्रतिबद्धता सेहो प्रहरी व्यक्त केलक अइछ । रासस

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...