मधेश प्रदेश जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला पूर्ण क्षमतामे सञ्चालन

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेश जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला पूर्ण क्षमतामे सेवा सञ्चालन भेलाक बाद स्थानीयकेँ निजी प्रयोगशालासँ न्यूनतम शुल्कमे स्वास्थ्य परीक्षण करेबाक लेल सहज भेल अइछ । बोलपत्र प्रक्रियामार्फत दवाइ तथा केमिकल खरिद भेलाक बाद प्रयोगशाला पुनः पूर्ण क्षमतामे स्वास्थ्य परीक्षण सेवा सुरु केलक अइछ । मधेश प्रदेश सरकारद्वारा सञ्चालित उक्त प्रयोगशालासँ अखन निजी क्षेत्रक प्रयोगशालाके तुलनामे न्यूनतम शुल्कमे दैनिक पाँच सओसँ बेसी व्यक्ति स्वास्थ्य परीक्षण कराबैत आएल अइछ ।

मधेश प्रदेश स्वास्थ्य प्रयोगशालाके निमित्त निर्देशक डा.नागेन्द्र यादवके कहब अनुसार प्रयोगशाला विभिन्न २ सओ ५६ प्रकारक परीक्षण सेवा सञ्चालन क रहल अइछ । वि.सं.२०७८ साल कातिक १५ गते स्थापना भेल प्रयोगशाला मधेश प्रदेशक आठो जिलाके एक सओ ३६ पालिकामे जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला सञ्चालन क स्वास्थ्य परीक्षण सेवा दैत आएल निर्देशक डा. यादव बतौलैन । प्रयोगशालाके जनकपुरधामस्थित प्रयोगशाला आ विभिन्न पालिकासभमे सञ्चालित जनस्वास्थ्य प्रयोगशालासभसँ आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे आठ लाख ५५ हजार ५ सओ ८२ गोटेके स्वास्थ्य परीक्षण कएल गेल निर्देशक डा. यादव जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार उक्त अवधिमे जनकपुरधामस्थित प्रयोशालासँ दू लाख तीन हजार ५ सओ ८७ आ स्थानीय तहमे सञ्चालित जनस्वास्थ्य प्रयोशालासँ ६ लाख ५१ हजार ९ सओ ९५ गोटेके स्वास्थ्य जाँच कएल गेल छल । प्रयोगशाला आव २०८२/८३ मे स्वास्थ्य परीक्षणसँ चाइर करोड़ ७६ लाख ५२ हजार ८७ राजस्व सङ्कलन कएने छल । निर्देशक डा. यादवके कहब अनुसार जनकपुरधामस्थित प्रयोशलामे कएल गेल स्वास्थ्य परीक्षणसँ दू करोड़ ७५ लाख ५२ हजार ५ सओ २२ आ स्थानीय तहमे सञ्चालित जनस्वास्थ्य प्रयोगशालामे कएल गेल स्वास्थ्य परीक्षणसँ दू करोड़ ९९ हजार ५ सओ ६५ सहित चाइर करोड़ ७६ लाख ५२ हजार ८७ राजस्व सङ्कलन कएल गेल ।

प्रयोगशाला ज्येष्ठ नागरिक तथा दीर्घरोगीसभकेँ शुल्कके ९० प्रतिशत आ आपाङ्ता भेल व्यक्तिसभकेँ ५० प्रतिशत छुटमे स्वास्थ्य परीक्षण क रहल जनौलक अइछ । हाल सञ्चालनमे रहल ‘इन्टिग्रेटेड’ सेवा प्रणाली सेवाग्राहीकेँ एक स्थानसँ विभिन्न प्रकारक स्वास्थ्य परीक्षण करेबाक सुविधा प्रदान कएने अइछ ।(रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...