आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
आन्दोलन, विरोध वा अन्य सार्वजनिक कार्यक्रममे सरकारी तथा निजी सम्पत्तिमे क्षति करैबला व्यक्तिसभक पहिचान क कानुनी कारबाही करबाक सिरहामे भेल सर्वपक्षीय बैसारसँ निर्णय कएल गेल अइछ । जिला प्रशासन कार्यालय सिरहाके पहलमे बुधदिन भेल सर्वपक्षीय बैसारसँ सामाजिक सद्भाव कायम राखबाक लेल जिलामे आवश्यकताअनुसार स्थायी संयन्त्र निर्माण करबाक, नियमित बैसार करबाक, निर्णयसभक प्रभावकारी कार्यावंयन करबाक तथा प्रचारप्रसारकेँ व्यवस्थित बनेबाक निर्णय सेहो कएल गेल अइछ ।
सामाजिक सञ्जालमार्फत गलत सूचना, अफवाह आ उत्तेजना फैलाबैबला गतिविधिमे निगरानी बढ़ेबाक, संलग्न व्यक्तिसभक विवरण सङ्कलन करबाक आ आवश्यक कानुनी प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक निर्णय करैत जिलाक सब स्थानीय तहकेँ राजनीतिक दल, बुद्धिजीवी, नागरिक समाज, पत्रकार तथा विभिन्न धार्मिक आस्थाक व्यक्तिसभक सहभागितामे सामाजिक सद्भाव प्रवर्द्धन करैबला कार्यक्रम सञ्चालनक लेल अनुरोध करबाक निर्णय कएल गेल सिरहाके प्रमुख जिला अधिकारी सुरेन्द्र पौडेल जानकारी देलैन ।
सुनसरीके देवानगञ्जमे भेल घटनाप्रति दुःख व्यक्त करैत बैसारसँ सामाजिक सद्भाव कायम राखबाक, ध्वनि प्रदूषण नियन्त्रण करैबला तथा अफवाह फैलाबैबलापर निगरानी बढ़ेबाक निर्णय सेहो कएल गेल । प्रजिअ पौडेलके कहब अनुसार बैसारसँ देवानगञ्ज घटनाके स्वतन्त्र आ निष्पक्ष छानबिन क दोषीकेँ कानुनी कारबाही करए तथा पीड़ितकँ उचित क्षतिपूर्तिके व्यवस्था करबाक लेल सम्बन्धित निकायसमक्ष अनुरोध करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।
सिरहा जिलामे डिजे तथा उच्च ध्वनिके कारण जनस्वास्थ्यमे प्रतिकूल असर पड़ल, विद्यार्थीसभक पठनपाठनमे अवरोध भेल आ सामाजिक वातावरण प्रभावित भेल निष्कर्ष निकालैत बैसारसँ मापदण्डविपरीतके डिजे तथा उच्च ध्वनी प्रयोगमे रोक लगेबाक निर्णय कएल गेल अइछ । जिला प्रशासन कार्यालयद्वारा सार्वजनिक निर्णयपत्रमे सामाजिक एकता, शान्ति सुरक्षा आ सार्वजनिक सुव्यवस्था कायम राखबाक लेल सब पक्षसँ सहयोगक अपिल कएल गेल अइछ । (रासस)
