दुधमति नदीके पुल निर्माणमे भेल देरीके कारण स्थानीयवासीकेँ समस्या

[sharethis-inline-buttons]

 आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

दुधमति नदीके पुल निर्माणमे भेल देरीके कारण स्थानीयवासीकेँ समस्या भ रहल अइछ । धनुषाके ढल्केबर–जनकपुर–जटही छ लेन सड़कखण्डअन्तर्गत जनकपुरधामस्थित दुधमति नदीमे निर्माणाधीन पुल लम्बा समयसँ अलपत्र भेलाक कारण स्थानीयवासी तथा यात्रीके समस्या होइत आइल अइछ । जनकपुरधामकेँ भारतक जटही नाकासँ जोड़ैबला रणनीतिक मार्गके महत्त्वपूर्ण संरचना अइछ, उक्त पुल । स्थानीय सुबोध नायक लम्बा समयसँ पुल निर्माणके काज अलपत्र भेल बतौलैन । निर्माण ठेक्का २०७६ साल जेठ २५ गते नागार्जुन हेम जेभीसँ कएल गेल छल ।

निर्माण लागत १३ करोड़ ९५ लाख ६४ हजार ३ सओ ३८ टकामे सम्झौता भेल छल । सड़क डिभिजन कार्यालय जनकपुरधाम २०८२ माघ १७ गते पुल निर्माण सम्पन्न करैजका सम्झौता भेल जानकारी देलक अइछ । पुल निर्माणमे भेल देरीके कारण सड़क डिभिजन कार्यालय जनकपुरधाम नागार्जुन हेम जेभीसँ कएल गेल ठेक्का सम्झौता तोड़ने प्रमुख इन्जिनियर दारोगा प्रसाद बतौलैन । ढल्केबर–जनकपुर–जटही छ लेन सड़क मधेश प्रदेशक महत्त्वपूर्ण सड़क आयोजना अइछ । भारतसँ व्यापार, धार्मिक पर्यटन तथा स्थानीय आवागमनकेँ सहज बनेबाक उद्देश्यसँ पुलके निर्माण सुरु कएल गेल छल । (रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...