आज्ञा खबर
पर्सा
नारायणी अस्पतालमे कार्यरत चिकित्सकसभ सामूहिक राजीनामा देलैन अइछ । बितल शैनदिन अस्पतालक आकस्मिक कक्षमे इलाजक लेल भर्ना भेल एक गोटे बेमारीके मृत्यु भेलाक बाद अस्पतालमे तोड़फोड़ आ चिकित्सकपर माइरपिट कएल गेल घटनाके विरोधमे ओसभ राजीनामा देलैन अइछ ।
शैनदिन वीरगञ्ज महानगरपालिका–२५ के ४५ वर्षीय राज कुमार पटेलके इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल । ओइके बाद मृतकके परिवारजन इलाजमे लापरबाही भेल आरोप लगाबैत आकस्मिक कक्षमे कार्यरत मेडिकल अधिकृत डा. प्रमोद रामकेँ माइरपिट कएने छल । अस्पतालक निमित्त मेडिकल सुपरिन्टेन्डेन्ट डा. चित्ररञ्जन साहके कहब अनुसार अस्पतालमे कार्यरत ८० चिकित्सकमध्ये ७१ गोटे मङ्गलदिन सामूहिक राजीनामा देने छैथ । माइरपिटसँ गम्भीर घायल भेल डा. रामके हाल काठमाण्डूस्थित राष्ट्रिय ट्रमा सेन्टरमे इलाज भ रहल छैन । घटनाके विरोधमे वीरगञ्जके चिकित्सकसभ रैबदिनसँ आन्दोलन क रहल अइछ । (रासस)
