आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
तापक्रम वृद्धि भेलाक बाद जानकी आँखा अस्पतालमे बेमारीके सङ्ख्या बढ़ल अइछ । हाल दैनिक ४ सओसँ ५ सओ गोटे बेमारी अस्पताल आबैत अइछ । अइसँ पहिने दैनिक सरदर ३ सओ गोटे सेवाग्राही आबैत छल । अस्पतालक निर्देशक डा. आशीष बोहराके कहब अनुसार इलाजक लेल आबैबलामे बालबालिका आ वृद्धवृद्धा बेसी अइछ । सिरहा, महोत्तरी आ सिन्धुलीलगायत जिलाक बेमारीसभ अस्पताल आबैत अइछ, तँ भारतक विहार राज्यसँ सेहो बेमारीसभ आबैत अइछ । –––रासस
