आज्ञा खबर
सिन्धुली
सिन्धुलीक बीपी राजमार्ग क्षेत्रमे भेल दुटा अलग-अलग सवारी दुर्घटनामे गम्भीर घाइते भेल दु लोकक उपचारक क्रममे काठमाडौंमे मृत्यु भऽ गेल अछि। घटना सभ किछु दिन पहिने भेल छल मुदा घाइते सभक ज्यान उपचारक क्रममे गेल अछि कहि क जिला प्रहरी कार्यालय सिन्धुली जानकारी देने अछि।
पहिल दुर्घटना बैशाख ४ गते शुबह गोलन्जोर गाउँपालिका–७ निचला बारा खण्डमे भेल छल। काठमाडौंसँ तेह्रथुम तरफ जाइत रहल मोटरसाइकल अनियन्त्रित भऽ सड़कसँ करिब ३५ फिट नीचा खसऽ गेल छल। दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक तेह्रथुम पञ्चकन्या गाउँपालिका–१ निवासी २८ वर्षीय बिनोद लिम्बु गम्भीर घाइते भेल छलाह। हुनका तत्काल उद्धार कऽ ललितपुरस्थित मेडिसिटी अस्पतालमे उपचारक लेल पठाओल गेल छल। नमहर समय धरि उपचाररत लिम्बुक सोमदिन दुपहर निधन भऽ गेल अस्पताल स्रोत जनौने अछि।
तेहिना दोसर दुर्घटना बैशाख २० गते कमलामाई नगरपालिका–२ तेहसयस्थित ओही राजमार्ग खण्डमे भेल छल। गढीतर्फसँ सिन्धुलीतर्फ आबि रहल स्कुटर अनियन्त्रित भऽ दुर्घटनाग्रस्त भेल छल। दुर्घटनामे चालक मकवानपुर हेटौंडा–६ निवासी २५ वर्षीय आदर्श चौलागाईं सामान्य घाइते भेल छलाह तऽ पाछाँ बैसल ३९ वर्षीय बिकेश घिमिरे गम्भीर घाइते भेल छलाह।
गम्भीर घाइते घिमिरेकेँ प्रारम्भिक उपचारक बाद काठमाडौंस्थित ह्याम्स अस्पताल पठाओल गेल छल, जतय उपचारक क्रममे सोमदिन साझँ हुनकर मृत्यु भऽ गेल। दुर्घटनामे घाइते चालक चौलागाईंक बाँमा गोर टुटगेल छल। हुनकर नेपाल अर्थोपेडिक अस्पतालमे उपचारक बाद डिस्चार्ज कएल गेल अछि आ एखन ओ थप निगरानीमे रहल जानकारी देल गेल अछि।
प्रहरीक अनुसार दुनू घटनाक विषयमे अनुसन्धान जारी अछि। पछिला समय ई राजमार्गमे तीव्र गति, लापरवाहीपूर्ण सवारी सञ्चालन आ सड़क सुरक्षामे कमीक कारण दुर्घटनाक घटना बढ़ैत गेल कहि स्थानीय लोकसभ चिन्ता व्यक्त कयने छथि।





































