आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
प्रदेश सरकारकेँ देल गेल समर्थन जनमत पार्टी औपचारिक रूपसँ फिर्ता लेलने अछि। प्रदेश प्रमुखक कार्यालय बुधदिन विज्ञप्ति जारी करैत जनमत पार्टीसँ प्राप्त पत्रानुसार मिति २०८३ वैशाख २२ गतेसँ समर्थन फिर्ता भेल जानकारी देलने अछि।
प्रदेश प्रमुख कार्यालयक शाखा अधिकृत कृष्ण ठाकुरद्वारा जारी सूचनामे संविधानक धारा १६८ (२) अनुसार गठन भेल सरकारप्रति जनमत पार्टीक समर्थन समाप्त भेल उल्लेख कएल गेल अछि।
एहिसँ पहिने जनमत पार्टीक मुख्य सचेतक चन्दनकुमार सिंह सोमदिन रातिमे समर्थन फिर्ताक पत्र प्रदेश प्रमुखक कार्यालयमे बुझौने छलाह। मुदा ओकर दोसर दिन जनमत संसदीय दलक नेता तथा अर्थमन्त्री महेशप्रसाद यादव सरकारप्रति समर्थन यथावत रहल कहैत अलग पत्र पठौला उत्तर विषय अन्योलमे पडल छल।
संसदीय दलक नेता आ मुख्य सचेतकमध्ये ककर पत्र आधिकारिक मानल जाएत कहब विषयमे कानुनी परामर्श चलि रहल समयमे पार्टीभितर नेतृत्व परिवर्तन कएल गेल छल। मङ्गलदिन भोरमे बैसल जनमतक १२ मध्ये ९ प्रदेश सांसदक बैठक चन्दनकुमार सिंहकेँ नव संसदीय दलक नेता चयन कएलक।
सिंहक नेतृत्वमे भेल ओहि बैठकमे अनिताकुमारी साह, सकिल आँस, हसिना खातुन, त्रिभुवन साह, रञ्जु खंग, भाग्यश्री कुमारी चौधरी, संजयकुमार यादव आ शम्भुकुमार साहक सहभागिता छल।
दलक नेतृत्व परिवर्तनसँ संगे प्रदेश प्रमुख कार्यालय सिंहद्वारा पठाओल गेल पत्रकेँ आधिकारिक मानि समर्थन फिर्ता भेल घोषणा कएलक अछि।
उल्लेखनीय अछि जे, नेपाली कांग्रेस प्रदेश संसदीय दलक नेता कृष्णप्रसाद यादव गत मंसिर १९ गते मुख्यमन्त्री नियुक्त भेल छलाह। ओ कांग्रेससहित जसपा नेपाल, जनमत पार्टी, माओवादी केन्द्र, लोसपा आ एकीकृत समाजवादीक कऽ ७७ प्रदेश सांसदक समर्थनमे सरकार गठन कयने छलाह। आब जनमत पार्टी समर्थन फिर्ता लेला उत्तर प्रदेश सरकारक स्थायित्वबारे प्रश्न उठऽ लागल अछि।





































