आज्ञा खबर
बर्दिवास
धनुषाक मिथिला नगरपालिका–७, केमलीपुरमे चितुवाक आक्रमणसँ एक स्थानीय व्यक्ति घाइते भेल छथि। बुधदिन भोरमे ४८ वर्षक किर्तिमान विकपर चितुवा आक्रमण कयने छल, जाहिसँ ओ घाइते भेल छथि।
इलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केबरक अनुसार घाइते विकक ढल्केबरस्थित एकटा निजी स्वास्थ्य संस्थामे उपचार भ’ रहल अछि। इलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केबरक प्रहरी निरीक्षक लक्ष्मण केसीद्वारा देल गेल जानकारी अनुसार विकक अवस्था अखन सामान्य अछि मुदा हुनकर पीठसहित शरीरक विभिन्न भागमे चोट लागल अछि।
स्थानीय वडाध्यक्ष रामबहादुर स्याङ्दनक अनुसार निलगाई नियन्त्रणक लेल थापल गेल तारजालीक पासोमे चितुवा फँसल छल। ओही सूचना पाबिकय घटनास्थल पहुँचल विकपर चितुवा अचानक आक्रमण कय देने छल।
अखनो चितुवा तारजालीमे फँसले अवस्थामे अछि। चितुवाक सुरक्षित उद्धारक लेल वन कार्यालय आ सुरक्षाकर्मीके खबर कएल गेल जानकारी देल गेल अछि।





































