आज्ञा खबर
बर्दिवास
ग्रामीण महिलासभक जीविकोपार्जनमे सुधार आ आर्थिक सशक्तीकरण करबाक उद्देश्य सँ बर्दिवास नगरपालिका दुर्गम क्षेत्रक महिला कृषक समूहकें कृषि सामग्री हस्तान्तरण कएलक अछि। चालू आर्थिक वर्ष अन्तर्गत सञ्चालित “महिला सशक्तीकरण अभियान” कार्यक्रम मार्फत वडा नं. ५ आ १० क बरडाँडा कृषक महिला समूहकें सोमदिन बेमौसमी तरकारी खेतीक लेल आवश्यक सामग्री प्रदान कएल गेल अछि।
नगरपालिकाक कृषि विकास शाखाक आयोजनमे सम्पन्न कार्यक्रममे टनेल प्लास्टिक, चार्जेबल स्प्रेयर, विषादी, किरा नियन्त्रण पासो, टमाटरक बीउ, प्राङ्गारिक मल, डिजिटल तराजु तथा सिकेचर लगायतका सामग्री हस्तान्तरण कएल गेल समूहक अध्यक्ष भविता कुमारी तामाङ जानकारी देलनि। हुनका अनुसार नगरपालिका तालिम मार्फत कृषक महिलासभकें आधुनिक खेती प्रणाली दिस उन्मुख करेबाक लक्ष्य राखने अछि, तइ द्वारे एहि पहलक लेल नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री तथा नगरपालिका प्रति आभार व्यक्त कएलनि।

कार्यक्रमकें सम्बोधन करैत नगरप्रमुख क्षेत्री कहलनि जे कृषि उत्पादनक बजारीकरणकें प्राथमिकतामे राखैत नगरपालिका अपन बितेलक कार्यकालमे कृषि सडक लगायत पूर्वाधार निर्माणमे उल्लेखनीय प्रगति कएलक अछि। ओ कहलनि जे आब उत्पादन वृद्धि आ बजार पहुँच विस्तारमे केन्द्रित होइत कृषकसभकें समूह मार्फत आत्मनिर्भर बनेबाक योजना आगा बढ़ाओल गेल अछि।
तहिना, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी ग्रामीण महिलासभकें कृषि तथा पशुपालन मार्फत आत्मनिर्भर बनेबाक लक्ष्यक संग विभिन्न कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल जानकारी देलनि। “महिला दिदीबहिनीसभ अपनहि मेहनत सँ आम्दानी कऽ सकथि, तइ उद्देश्य सँ एहन कार्यक्रम लाबल गेल अछि,” ओ कहलनि, “एहि सँ घरखर्च चलेबा सँ लय कऽ बचत करबा धरिमे सहयोग पहुँंचत।”

नगरपालिका आगाक दिनमे सेहो कृषकसभक क्षमता अभिवृद्धि, उत्पादन वृद्धि तथा बजारीकरणमे सहयोग पहुँचेबाक कार्यक्रमकें निरन्तरता देबाक जनौने अछि।





































