आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मधेस प्रदेश क्रिकेट टिम राष्ट्रिय स्तरक खेलाडी विवेक यादव केँ अपन टोली सँ खेलायबक निर्णय कयने अछि। सोमदिन (वैशाख २१) बैसल मधेस प्रदेश क्रिकेट संघक बैठक ओहि निर्णयक सार्वजनिक कयने अछि। यादव करिब दुई वर्ष पहिने सँ मधेस प्रदेश सँ खेलबाक इच्छा देखबैत आवेदन देने छलाह। ओहि आवेदनक अवधि पूरा भऽ गेल हुअइ सँ हुनका प्रदेश टिम सँ खेलबाक अनुमति दैत निर्णय कयल गेल संघ जनौने अछि। एखन ओ नेपाल आर्मीक विभागीय टोली सँ सक्रिय रूप मे खेलि रहल छथि।
एहि बीच, मधेस प्रदेश क्रिकेट टिम आगाबला असार मे भारतक बैंगलोर मे अन्तर्राष्ट्रिय अभ्यास खेल खेलबाक तैयारी कयने अछि। संघक अनुसार जुन १८, १९ आ २० मे ओतय कऽ उत्कृष्ट टोली सभ सँ प्रतिस्पर्धा कयल जायत। संगे, इलाइट कप प्रतियोगिता सेहो आगाबला सिजनक सुरुवाते मे आयोजना करबाक योजना आगू बढ़ाओल गेल अछि।
खेलाडी सभक म्याच फी सेहो संघ निर्धारित कयने अछि। ‘ए’ लेभलक खेलाडी केँ प्रति खेल ३ हजार रुपैयाँ, ‘बी’ क्याटोगरीक खेलाडी केँ १५ सय रुपैयाँ आ ‘सी’ क्याटोगरीक खेलाडी केँ १ हजार रुपैयाँ प्रदान कयल जायत।
ओहिना, एहि वर्ष केन्द्रीय कन्ट्रयाक्ट बाहेक प्रदेशस्तर मे ११ खेलाडी केँ कन्ट्रयाक्ट मे राखबाक तैयारी कयल गेल अछि। ओहि खेलाडी छनोटक लेल कोषाध्यक्ष सुभाष जयसवालक संयोजकत्व मे समिति गठन कयल गेल संघ जानकारी देने अछि।
