पर्यटन पूर्वाधार सुदृढ बनाबय लेल पैघ लगानी आवश्यक : मुख्यमन्त्री यादव

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशक प्रमुख धार्मिक तथा सांस्कृतिक केन्द्र जनकपुरधाममे पर्यटन पूर्वाधार विस्तारक लेल पैघ निजी लगानी भित्रिबाक संकेत देखल गेल अछि। प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव एहि ठामक पर्यटन क्षेत्रकेँ अन्तरराष्ट्रिय स्तरमे उकासबय लेल पैघ परियोजना अपरिहार्य रहल बतौने छथि।

सोमदिन जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१४ मे करिब दू अर्ब रुपैयाँक लगानीमे निर्माण होमय लागल पाँचतारे होटलक शिलान्यास करैत ओ जनकपुरधामकेँ धार्मिक पर्यटनक स्थापित गन्तव्यसँ स्तरीय सेवासहितक समग्र पर्यटन केन्द्रक रूपमे विकास करब आवश्यक रहल उल्लेख कएलाह। हुनका अनुसार आधुनिक होटल तथा सेवा सुविधा विस्तारसँ आन्तरिकक संगहि विदेशी पर्यटकक आकर्षण बढ़त आ प्रदेशक अर्थतन्त्रकेँ आर चलायमान बनाओत।

कार्यक्रममे प्रतिनिधिसभा सदस्य मनिष झा विकास निर्माणमे निजी क्षेत्रक भूमिकाकेँ महत्वपूर्ण कहैत राज्य–निजी सहकार्यकेँ आर सुदृढ बनाबय पडबाक बातमे जोड देलाह। ओ पर्यटन उद्योगकेँ दीगो आ प्रतिस्पर्धी बनाबय लेल नीतिगत सहजीकरण आवश्यक रहल धारणा राखलाह।

परियोजना प्रवर्द्धक मिथिला हस्पिटालिटी प्रालिक अध्यक्ष रामेश्वर साहक अनुसार निर्माणाधीन होटल तीन वर्षभित्र सम्पन्न करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। ओ २०८६ साल वैशाखसँ होटल सञ्चालनमे आनबाक तयारी रहल जानकारी देलाह।

होटल सञ्चालन भेला उत्तर करिब १५० गोटे प्रत्यक्ष रोजगारी पाओताह आ अप्रत्यक्ष रूपमे सयकडौँ व्यक्ति लाभान्वित हेताह से अपेक्षा कएल गेल अछि।

कार्यक्रममे गैरआवासीय नेपाली सङ्घ (एनआरएनए) क संस्थापक अध्यक्ष उपेन्द्र महतो, धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेमप्रसाद लुइँटेल, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख मनोज साह लगायत विभिन्न क्षेत्रक प्रतिनिधि सभक उपस्थिति रहल छल।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...