आज्ञा खबर
बर्दिवास
स्वच्छ उत्पादन अभियानकेँ प्रभावकारी रूपमे बजारीकरणसँ जोड़य आ स्वच्छ उत्पादनक पहिचान सुनिश्चित करयक उद्देश्यसँ महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिकामे शनिदिन नीतिगत छलफल सम्पन्न भेल अछि। नगरपालिकासँ सहकार्यमे आयोजित उक्त कार्यक्रममे किसानकेँ बजारसँ कतय जोÞड़य आ स्वच्छ उत्पादनकेँ कोना पहिचान करय, से विषयमे अन्तरक्रिया तथा विचार विमर्श कएल गेल।
कार्यक्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक उपप्रमुख तारा देवी महतो कहलनि जे कृषक व्यवसाय पाठशाला मार्फत “सहभागितामूलक सुनिश्चितता प्रणाली (पीजीएस)” कार्यविधि तर्जुमा कए पर्यावरणीय कृषि उत्पादन तथा बजारीकरण प्रवद्र्धन कएल जाएत। ओ स्थानीय स्तरमे स्वच्छ उत्पादनक पहिचान आ विश्वसनीयता स्थापित करय लेल पीजीएस महत्वपूर्ण माध्यम बनत से विश्वास व्यक्त कएलनि।

राष्ट्रिय कृषक समूह महासंघ नेपाल प्रदेशक आयोजनामे भेल अन्तरक्रिया तथा विचार विमर्श कार्यक्रममे राष्ट्रिय कृषक समूह महासंघ नेपाल प्रदेशक संयोजक दिलिप कुमार साह कृषक पाठशालाक अवधारणा, अभ्यास आ एकर प्रभावक बारेमे जानकारी देलनि। ओहिना, महासंघक राष्ट्रिय निर्देशक केदार कोइराला सहभागितामूलक सुनिश्चितता प्रणाली (पीजीएस) क सामुदायिक प्रक्रिया, प्राविधिक पक्ष, बजारीकरणक आयाम तथा नीतिगत प्रावधानक बारेमे प्रस्तुतीकरण कएने छलाह।
कार्यक्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत, कृषि तथा पशुपन्छी शाखाक प्रतिनिधि, वडा अध्यक्ष लोकनि तथा कार्यपालिका सदस्य सभक सहभागिता छल।
राष्ट्रिय कृषक समूह महासंघ नेपाल बिगत चार वर्षसँ सिरहा आ सप्तरी जिलामे केएर नेपालक साझेदारी तथा स्थानीय तह सभक समन्वयमे कृषक पाठशाला कार्यक्रम सञ्चालन करैत आबि रहल अछि। उक्त पाठशाला अन्तर्गत स्वच्छ उत्पादन अभियान किसानक अगुवाइ आ सहभागितामे सञ्चालन भ’ रहल अछि।
कृषक पाठशाला पद्धति खुल्ला सिकाइमे आधारित अछि, जतय “किसानहि विज्ञ छथि” कहयवला मान्यता अनुसार किसान लोकनि अपन खेतबारीमे प्रयोग आ अनुसन्धान मार्फत सिखय लेल अवसर पाबैत छथि। स्वच्छ उत्पादनकेँ मूल्य श्रृंखलासँ जोÞड़य लेल सञ्चालन कएल गेल ई कार्यक्रम सिरहा आ सप्तरीक करिब ५ सय कृषक समूहमे कार्यान्वयन भ’ गेल अछि।
एहि सँ प्राप्त सिकाइकेँ विस्तार करय क्रममे बर्दिवास नगरपालिकामे एफ.ए.ओ. सँ साझेदारीमे सञ्चालित वन तथा कृषि सहज कार्यक्रम अन्तर्गत ज्योति सामाजिक उद्यमी महिला सहकारी संस्था सँ कृषक पाठशाला कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल अछि।
बर्दिवास–१० मे सञ्चालन कएल गेल पाठशालामे तीयड़ (काँक्रा) आ गोलभेँडाक प्रदर्शनी स्थल स्थापना कएल गेल अछि। उक्त स्थलकेँ खुल्ला सिकाइ केन्द्रक रूपमे विकास करैत किसान सभक बीच सिखय–सिखावय क प्रक्रिया आगा बढ़ाओल गेल अछि। एतय प्राप्त ज्ञानकेँ किसान लोकनि अपन खेतबारीमे प्रयोग करैत स्वच्छ उत्पादन अभियानमे सक्रिय सहभागिता जना रहल छथि।
ज्योति सामाजिक उद्यमी महिला सहकारी संस्थाक अध्यक्ष चनवती श्रेष्ठक अनुसार करिब १३ सय घरधुरी सदस्य रहल ई सहकारी पर्यावरणीय कृषि प्रवद्र्धनमे अग्रसर होयबक अवसर पाबनेमे खुशी व्यक्त कएलनि। ओ स्वच्छ उत्पादन अभियानकेँ सफल बनाबय लेल प्रतिबद्धता जनबैत महासंघ प्रति आभार व्यक्त कएलनि।
स्थानीय स्तरमे उत्पादन, पहिचान आ बजारीकरणकेँ जोÞड़यवला एहि अभियानसँ मानव स्वास्थ्य, जैविक विविधता आ माटिक उर्वराशक्ति संरक्षणमे सकारात्मक योगदान पहुँंचत से अपेक्षा कएल गेल अछि।





































