जिल्लामे पहिल बेर मिर्गौला रोगीक लेल डायलासिस सेवा सुरु

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

सर्लाही

मधेश प्रदेशक सर्लाही जिल्लामे पहिल बेर मिर्गौला रोगीक लेल डायलासिस सेवा सुरु भएल अछि। ईश्वरपुर नगरपालिका–६ बयलवासस्थित नगर अस्पतालमे शुक्र दिन आयोजित कार्यक्रममे प्रदेशक स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री जङ्गलीलाल राय ई सेवाक औपचारिक उद्घाटन कयलनि।

एकर संगे अब मरीज सभके डायलासिस करबाक लेल बर्दिवास, जनकपुर, वीरगञ्ज, भरतपुर वा काठमाडौँ जायपडबक बाध्यता खतम भएल अछि। एहन सेवासँ स्थानीय स्तरमे उपचार सम्भव भ’ गेल अछि।

ईश्वरपुर नगरपालिकाक नगरप्रमुख मनोजकुमार आचार्यक अनुसार पूर्व सङ्घीय स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री प्रदीप पौडेलक कार्यकालमे प्राप्त दु टा डायलासिस मेसिनमार्फत सेवा सुरु कयल गेल अछि। हाल उपलब्ध उपकरणसँ दैनिक दुई गोटेके मात्र सेवा द’ सकय बला अवस्था अछि।

स्वास्थ्य शाखा प्रमुख सुगेन्द्र महतो जानकारी देलनि जे सङ्घीय सरकारसँ आवश्यक सहयोग प्राप्त करबाक लेल कमसँ कम पाँच टा मेसिन सञ्चालनमे आनब पडबक प्रावधान अछि। ओकर लेल थप उपकरण जोगाड़ करबाक प्रयास भ’ रहल ओ बतौलनि।

नगरपालिका मधेश प्रदेश सरकारसँ समन्वय करैत थप तीन टा मेसिन आनबाक पहल क’ रहल अछि। उद्घाटन समारोहमे मन्त्री राय आवश्यक मेसिन आ प्राविधिक जनशक्ति उपलब्ध करबाक प्रतिबद्धता जनाओलनि। ओ कहलनि जे छोटका योजनासँ बेसी नागरिकके प्रत्यक्ष लाभ पहुँचय बला योजनामे बजेट केन्द्रित करबाक नीति रहल अछि।

जनशक्ति आ सेवा शुल्क

डायलासिस सेवा सञ्चालनक लेल नगर अस्पताल नव जनशक्ति व्यवस्थापन कयने अछि:

  • जईमे डायलासिस असिस्टेन्ट: सुस्मिता सिंह रहल अछि तेहिना
  • तालिम प्राप्त जनशक्ति: डा. दीर्घनारायण दास आ स्टाफ नर्स ममता साह के राखलगेल अछि
  • नगर अस्पतालमे नगरवासीक मरीज सभके डायलासिस करबाक लेल निःशुल्क सेवा प्रदान होईत आ

बाहरक सेवाग्राहीक लेल: प्रति बेर २,५०० रुपैयाँ शुल्क लेबाक ब्यवस्था कईलगेल अछि ।

 

रोगीक लेल आवश्यक रगत आपूर्तिक लेल मलङ्गवास्थित प्रादेशिक अस्पतालक ब्लड बैंकसँ सहकार्य कयल जाएत। मन्त्री राय निकट भविष्यमे नगर अस्पतालमे ब्लड बैंक स्थापना करबाक योजना सेहो अगाडि बढ़ाओल जाएत कहलनि। ओ सर्लाहीमे पहिल बेर एहन सेवा सुरु होयब स्वास्थ्य क्षेत्रक लेल महत्वपूर्ण उपलब्धि भेल उल्लेख कयलनि।

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...