आज्ञा खबर
बर्दिबास
महोत्तरीक बर्दिबास मे भ’ रहल ‘पाँचम आदिवासी जनजाति महोत्सव २०८३’ खाली सांस्कृतिक प्रदर्शनमे सीमित नै रहल, बल्कि ई कृषि आ, स्थानीय अर्थतन्त्रक महत्वपूर्ण मुद्दा सब पर सेहो केन्द्रित रहल। शनि क दिन महोत्सव मे स्थानीय उत्पादनक प्रदर्शनीक सँगे कृषि नीति, उत्पादन विस्तार आर बजारीकरणक विषयमे गम्भीर बहस कएल गेल।
नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघ महोत्तरीक आयोजनामे भएल एहि कार्यक्रममे किसान, जनप्रतिनिधि आर सरोकारवाला निकायबीच खुल्ला संवाद भएल छल। छलफलक क्रममे कृषक सब झेल्दै आबि रहल चुनौती, अनुदान वितरणक प्रभावकारिता, बजार पहुँचक अभाव आर उत्पादन लागत कम करबाक उपाय सब पर विस्तृत रूपमे विचार आदान-प्रदान कएल गेल।
कार्यक्रमक मुख्य अतिथि बर्दिबास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रल्हाद क्षेत्री कहलनि जे कृषकके केन्द्रमे राखि क’ विभिन्न सहुलियत कार्यक्रम सब सञ्चालन भ’ रहल अछि। हुनका अनुसार धान, गहुँ, बेसारक बिउ, कृषि उपकरण आर हाते ट्याक्टरमे ५० प्रतिशत धरि सहुलियत अनुदान उपलब्ध कराओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे एहन सेवाक लाभ लेबाक लेल कृषकके अनिवार्य रूपमे आवेदन प्रक्रिया पूरा करय पडत।
नगरप्रमुख क्षेत्री कहलनि जे वास्तविक कृषकक तथ्यांक नै भेला स’ योजना निर्माणमे कठिनाइ भ’ रहल अछि, तहि लेल सूचना प्रकाशित भेला पर आवेदन द’ द’बाक लेल सब कृषकके आग्रह कएलनि। सही तथ्यांकक आधारमे मात्र प्रभावकारी योजना आर बजेट विनियोजन कएल जा सकैत अछि।
पहिला पूर्वाधार निर्माणमे केन्द्रित बजेटके आब उत्पादनमुखी क्षेत्रमे मोडल जाइत अछि, ओ कहलनि। चुरे क्षेत्रक भौगोलिक अवस्थाक कारण सडक आर पुल निर्माणमे पैघ लगानी करय पडल, मुदा आब आधारभूत पूर्वाधार तयार भ’ गेल अछि, तहि लेल आब उत्पादन, रोजगारी आर बजार व्यवस्थापनमे जोड देल जाएत।
महिला सशक्तीकरणके कृषि विकास सँ जोडैत नगरपालिका प्रत्येक वडामे ४८ सदस्यक महिला समूह गठन करबाक योजना आगू बढाउने अछि। ओहि समूहके सीपमूलक तालिम द’ क’ हुनका सभक इच्छा अनुसारक कृषि वा पशुपालन क्षेत्रमे लगानी करबाक नीति लेल गेल अछि। बाख्रापालन, तरकारी आर फलफूल खेती जेहन कार्यक्रम सब किछु वडामे कार्यान्वयनमे सेहो आबि गेल अछि।
तथापि, कार्यक्रममे सहभागी कृषक सब कहलनि जे व्यावहारिक समस्या सब एखनो समाधान नै भ’ सकल अछि। विशेष क’ सिँचाइक लेल प्रयोग होबय वाला बोरिङ आर बिजलीक मिटर व्यक्तिगत भेला स’ लागत बढल छैन्ह। एहि विषयमे नगरप्रमुख क्षेत्री आगामी बजेट स’ ‘सामूहिक कृषि मिटर प्रणाली’ लागू करबाक घोषणा कएलनि, जाहिमे जडान स’ ल’ क’ महसुल व्यवस्थापन धरि नगरपालिकाक जिम्मेवारी रहत।
स्थानीय कृषकक अनुभव स’ कृषि क्षेत्रमे सम्भावना आर चुनौती दुनू देखल गेल अछि। बर्दिबास–१३ क कृषक मनिष समाल ड्रागन फलक खेती स’ निक आमदनी क’ रहल अनुभव सुतौलनि। ओहिना, बर्दिबास–१२ क मेथल दास दू विघा जमिममे खरबुजा खेती क’ क’ वार्षिक करिब दू लाख टाका बचत करैत अछि। ओ कहलनि जे बजार व्यवस्थापन आर आयात नियन्त्रण भेला पर आर बेसी लाभ भ’ सकैत अछि।
मुदा दोसर तरफ, बर्दिबास–८ क कृषक टंक आले कहलनि जे समय पर मल नै भेला स’ महँगोमे किने पडैत अछि। सँगे नीलगाई आर बँदेल जेहन जंगली जनावर सब खेती नष्ट क’ दैत अछि, ई सेहो पैघ समस्या अछि।
महोत्सव अन्तर्गत लागल कृषि प्रदर्शनीमे बर्दिबास, भंगाहा आर गौशाला नगरपालिकाक उत्पादन सब राखल गेल छल। प्रदर्शनीमे ३० स’ बेसी तरकारी, ६ प्रकारक अन्न आर १५ प्रकारक फलफूल राखल गेल छल, जे स्थानीय उत्पादनक विविधता आर सम्भावना देखौलक।
समग्रमे, महोत्सव सांस्कृतिक संरक्षणक सँगे कृषि विकास, उत्पादन वृद्धि आर स्थानीय अर्थतन्त्रके मजबूत बनाबय लेल एकटा नव दृष्टिकोण आर बहस आगू बढाउने अछि, ई सहभागी सभक निष्कर्ष रहल।





































